विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विप्रकान्त मंडल
उपास
वैशाख मासक दुपहरिया। टहटहोआ रौद। रौद सॅं परेशान लोक कलम-गाछी ओगरि रहल
अछि । गाछीक पछवरिया भागक अन्तिम छोर पऽ एगो अधसुक्खु खत्ता। खत्ताक कोर पऽ
सुपरिया आमक विशाल गाछ तर कारी मुखिया ओंघरायल छै। पसेना सॅं भिज्जल कारी
देह। नामक अनुकूले अछि। कखनो-काल हवाक सिहकन सॅं मुखियाक आंखि लगि जाइत
अछि।
ढबाक!अवाज सुनि मुखिया अकचकाएत उठल। एने-ओने देखलक ओकर नजैर खत्ता मे गिरल
आम पऽ परैत अछि। आमक बगल मे घुट्ठी भरि पानि मे छिरपिटाईत माछ आ सुखल
ढेला-चेपाक उपर चु्ट्टी सब घुमि रहल अछि।
चुट्टी माछक छिरपिट्टी देखि सोचलक : - "वाष्पीकरण पऽ छै विश्वास सुखते पानि
पूरा होएत आस। "
माछ :- " हमरो छै विश्वास लगते मेघ होएत बरसात । खैबो तोरा करबै अट्टहास। "
खखास करैत मुखिया धसल खत्ता मे
पानि उपैछ माछ पकरलक धेलक पत्ता मे
चुट्टी सभ दिन उपासे रहते
चाहे कियो रहे सत्ता मे ।
(सगर राति दीप जरय तिथि २७ दिसम्बर २०२५, स्थान: मध्य विद्यालय परिसर ,
शिवनगर मे पठित।)
अपन मंतव्य editorial.staff.videha@zohomail.in पर पठाउ।
विदेहमे सभठाम ताकू / Search all Videha
Static full-text search · Pagefindलेखक/शीर्षक/अंक/वर्ष — खोज-विधा। गद्य/पद्य/शोध current/static + पुरान Videha/Sadeha contents खोजैत अछि। पोथी pothi.htm केर पूर्ण listing, श्रव्य-दृश्य Audio_Video.htm केर पूर्ण listing, पञ्जी videha-sadeha/panji-shards GitHub data, आ थेसारस/शब्दकोश videha-ejournal.github.io/data GitHub JSON corpus केँ query करैत अछि आ दूनू Quiz corpus मे dictionary/vocabulary/शब्दार्थ-सम्बन्धी प्रश्नोत्तरी परिणाम सेहो जोड़ैत अछि। Quiz videha-quiz आ GitHub user-site दूनू bilingual quiz corpus खोजैत अछि। Roman/IAST + देवनागरी cross-script search समर्थित। Issue/Year लेल संख्या दिअ। PDF-अभिलेख archive.org/VidehaAndSadeha सूची खोजैत अछि।