उमेश मण्डल
लोक-नाट्य-वाद्य मण्डली- संकलन
नाच पाटी- मिथिला नाट्यकला परिषद- पकड़िया
कम्पनी- श्री राम लखन साहु पे. स्व. खुशीलाल साहु
पता, गाम- पकड़िया, पोस्ट- रतनसारा, अनुमंडल- फुलपरास (मधुबनी)
मैनेजर- श्री ठकाई यादव पे. स्व. फुसन यादव
पता, गाम- मुसहरनियाँ, पोस्ट- रतनसारा, अनुमंडल- फुलपरास (मधुबनी)
नाच- (1) अल्हा रूदल (2) लछिया रानी (3) शीत वसंत (4) गुगली घटमा (5) राजा कुँवर वृजभान
अभिनय कर्त्ताक नाओं/पता-
श्री भाेगी लाल दास- स्व- भायलाल दास लछमिनियाँ (मधुबनी)
श्री रामचन्द्र शर्मा- श्री जंगल शर्मा नेमुआ (मधुबनी)
श्री नथुनी शर्मा- श्री वनमाली शर्मा नेमुआ (मधुबनी)
श्री सुन्दर मुखिया- श्री नागेश्वर मुखिया हरियाही (सुपौल)
श्री वासदेव सदाय- स्व. कुजाय सदाय सखुआ (िनर्मली)
श्री नारायण सदाय- श्री गंगा सदाय बेलही (सुपौल)
मो. जाहिद उर्फ राजा मो. डोमी नदाफ सुदै द्वारम (मधुबनी)
श्री रंजीत राम श्री लखन राम खुटौना (मधुबनी)
वाद्य एवं वादक नाओं/पता-
आर्गन- श्री छेदी पंडित स्व. चन्द्र पंडित बरहारा (सुपौल)
नाल- श्री परमेश्वर भारती स्व. जगरूप भारती मुसहरनियाँ (मधुबनी)
काँरनेट- श्री चन्दर राम श्री जीतन राम लछमिनियाँ (मधुबनी)
नङेरा- श्री लाल राम स्व. फुसन राम लछमिनियाँ (मधुबनी)
ढोलक- श्री कलानंद राम स्व. खट्टर राम लछमिनियाँ (मधुबनी)
ड्रमसेट- श्री भोलट दास श्री योगेन्द्र दास िनर्मली (सुपौल)
आन सहयोगी-
श्री याेगेन्द्र यादव श्री ठकाई यादव मुसहरनियाँ
घुरन दास श्री भायलाल दास (ताॅति) लछमिनियाँ
दिनेश राम श्री सीताराम राम लछमिनियाँ
नाच पाटी- श्री श्री 108 श्री भगवती नाचपार्टी- सिमराहा सप्तरी
कम्पनी- श्री रामचन्द्र मण्डल पे. श्री वृजलाल मण्डल
पता, गाम- सिमराहा, पोस्ट- बरसाइन, जिला- सप्तरी (नेपाल)
मैनेजर- श्री राम सुन्दर राम पे. श्री सुवी राम
पता, गाम- दउरी, पोस्ट- बरसाइन, जिला- सप्तरी (नेपाल)
नाच- (1) अल्हा रूदल (2) लछिया रानी
अभिनय कर्त्ताक नाओं/पता-
श्री शैनी पासवान श्री दुखी पासवान खड़कपुर (बरसाइन)
श्री लक्ष्मण राम श्री कैलू राम दउरी (बरसाइन)
श्री बेचू राम श्री श्रीप्रसाद राम दउरी (बरसाइन)
श्री सत्य नारायण राम- श्री नथुनी राम दउरी (बरसाइन)
श्री देव नारायण यादव- श्री नथुनी यादव दउरी (बरसाइन)
श्री परमेश्वर मण्डल- श्री तेजी मण्डल सिमराहा (बरसाइन)
श्री रघु मण्डल- स्व. थारू मण्डल सिमराहा (बरसाइन)
श्री चरित्तर मण्डल- स्व. कारी मण्डल सिमराहा (बरसाइन)
श्री जोगी मण्डल- श्री बच्चाई मण्डल सिमराहा (बरसाइन)
श्री बेचू राम श्री प्रसाद राम दउरी (सप्तरी)
वाद्य एवं वादक नाओं/पता-
काँरनेट- श्री देव नारायण राम स्व. नाथो राम दउरी (बरसाइन)
काँरनेट- श्री दुखी राम स्व. कारी राम खड़कपुर (बरसाइन)
ढोलक- श्री नशीवलाल राम श्री कैलू राम दउरी (बरसाइन)
नङेरा- श्री राम प्रसाद राम श्री सुवी राम दउरी (बरसाइन)
हारमोनियम- श्री चरित्तर मण्डल श्री कारी मण्डल दउरी (बरसाइन)
आन सहयोगी-
शिव नारायण दास श्री ठकाइ दास दउरी (बरसाइन)
कोसी नाट्य कला परिषद- सिमराहा-सुपौल
कम्पनी- श्री गया प्रसाद मण्डल पे. श्री राम नारायण मण्डल
पता, गाम- सिमराहा, पोस्ट- नौआबाखैर, भाया- थरबिटिया, जिला- सुपौल
मैनेजर- श्री दया नन्द मण्डल पे. श्री राम लखन मण्डल
पता, गाम- सिमराहा, पोस्ट- नौआबाखैर, भाया- थरबिटिया, जिला- सुपौल।
नाच- (1) अल्हा रूदल (2) सती लछिया
अभिनय कर्त्ताक नाओं/पता-
श्री अरूण कुमार मण्डल श्री नथु मण्डल सिमराहा (सुपौल)
श्री रून्दी पासवान स्व. बहादुर पासवान परसा माधो (सुपौल)
श्री राम प्रसाद शर्मा स्व. बिलट शर्मा परसाहा (सुपौल)
श्री देवराज शर्मा स्व. तपेश्वर शर्मा सिमराहा (सुपौल)
श्री चन्द्र नारायण मण्डल स्व. रघुनाथ मण्डल सिमराहा (सुपौल)
श्री दुखी पासवान श्री बेचन पासवान परसा माधो (सुपौल)
श्री विजय कुमार राय श्री राम स्वरूप राय सिमराहा (सुपौल)
श्री बेचन शर्मा स्व. रामसुन्दर शर्मा परसाहा (सुपौल)
वाद्य एवं वादक नाओं/पता-
हारमोनियम- श्री सत्य नारायण मण्डल स्व. खुशीलाल मण्डल सिमराहा (सुपौल)
ढोलक- श्री गणेश राम श्री विन्देश्वर राम एकडारा, थरविटिया (सुपौल)
काँरनेट- श्री शिव नारायण सदा स्व. ............. एकडारा, थरविटिया (सुपौल)
नङेरा-डिग्री- श्री गुनेश्वर राम श्री ............... परसाहा, नाैआ बाखैर (सुपौल)
झाइल- श्री हरिनारायण पासवान स्व. नकछेदी पासवान सिमराहा (सुपौल)
झाइल- श्री तेज नारायण मण्डल स्व. खुशीलाल मण्डल सिमराहा, नौआबाखैर (सुपौल)
भड़िया- श्री लालदेव मण्डल श्री बच्चा मण्डल सिमराहा, नौआबाखैर (सुपौल)
जोकर- श्री सीताराम राम .................. परसाहा, नाैआ बाखैर (सुपौल)
अन्य सहयोगी-
श्री सुभाष कुमार राय श्री कन्हैया लाल राय बौराहा, थरविटिया (सुपौल)
रामलीला नाट्य कला परिषद- रसुआर जिला-सुपौल
कम्पनी- श्री झोटन मण्डल पे. स्व. नथुनी मण्डल
पता, गाम- रसुआर, पोस्ट- मुंगराहा, भाया- िनर्मली, अनुमण्डल- िनर्मली, जिला- सुपौल (बिहार)
मैनेजर- श्री त्रिलोक नाथ झा पे. स्व. रामेश्वर झा
पता, गाम- रसुआर, पोस्ट- मुंगराहा, भाया- िनर्मली, अनुमण्डल- िनर्मली, जिला- सुपौल (बिहार)
नाच- (1) अल्हा रूदल (2) सती लछिया (3) राजा सलहेश (4) विद्यापति (5) धुलक फूल (6) सुल्ताना डाकू (7) राजा हरिषचन्द्र (8) कृष्ण लीला (9) रामायण
अभिनय कर्त्ताक नाओं/पता-
श्री रामू मण्डल स्व. गोपी मण्डल रसुआर (सुपौल)
स्व. राज कुमार ठाकुर श्री रामजी ठाकुर रसुआर (सुपौल)
श्री धनिक लाल मण्डल स्व. रामजी मण्डल रसुआर (सुपौल)
श्री देव नारायण मण्डल स्व. बलदेव मण्डल रसुआर (सुपौल)
स्व. भोला झा स्व. जयदेव झा रसुआर (सुपौल)
स्व. जिलेब मण्डल स्व. नथुनी मण्डल रसुआर (सुपौल)
श्री शैनी मण्डल स्व. लालजी मण्डल रसुआर (सुपौल)
श्री सीताराम मण्डल स्व. रूपलाल मण्डल रसुआर (सुपौल)
वाद्य एवं वादक नाओं/पता-
हारमोनियम- श्री त्रिलोक नाथ झा पे. स्व. रामेश्वर झा रसुआर (सुपौल)
ढोलक- स्व. रामगुलाम मण्डल स्व. संती मण्डल रसुआर (सुपौल)
नङेरा-डिग्री- श्री झड़ीलाल राम स्व. हिया लाल राम रसुआर (सुपौल)
झाइल- देवीलाल मण्डल स्व. खुशीलाल मण्डल रसुआर (सुपौल)
झालड़ श्री किशोरी मण्डल स्व. नेवैत मण्डल रसुआर (सुपौल)
डिग्री सदैबला- स्व. रामकिशुन मण्डल स्व. शक्ति मण्डल रसुआर (सुपौल)
भड़िया- श्री नारायण मुखिया स्व............... रसुआर (सुपौल)
जोकर- श्री सीताराम राम .................. परसाहा, नाैआ बाखैर (सुपौल)
डान्सर- श्री छोटेलाल मण्डल श्री बुधु मण्डल रसुआर (सुपौल)
जोकर- श्री रामअधिन मण्डल स्व. धनिक लाल मण्डल रसुआर (सुपौल)
इटहरी नाच कला परिषद- इटहरी जिला-सुपौल
कम्पनी- श्री जगदीश साहु पे. स्व. गंगा प्रसाद साहु
पता, गाम- इटहरी, पोस्ट- िनर्मली, भाया- िनर्मली, अनुमण्डल- िनर्मली, जिला- सुपौल (बिहार)
मैनेजर- श्री रामविलास साहु पे. स्व. भोला साहु
पता, गाम- इटहरी, पोस्ट- िनर्मली, भाया- िनर्मली, अनुमण्डल- िनर्मली, जिला- सुपौल (बिहार)
नाच- (1) कुमर वृजभान (2) राजा नल (3) राजा सलहेश (4) गुगली घटमा (5) शीत-वसंत
अभिनय कर्त्ताक नाओं/पता-
नायक- रामविलास साहु स्व. भोला साहु इटहरी (सुपौल)
नारी पात्र- बैजू सदाय स्व. सोती सदाय इटहरी (सुपौल)
नारी पात्र- अशोक सिंह श्री बलराम सिंह इटहरी (सुपौल)
मुख्य खलनायक- दुखी मण्डल स्व. श्रीलाल मण्डल इटहरी (सुपौल)
जोकर- विजय साहु स्व. केसो साहु इटहरी (सुपौल)
नारी पात्र- रघुनाथ सदाय स्व. मोती सदाय इटहरी (सुपौल)
अभिनय- सुकुमार मण्डल .................. मुसहरनियाँ-रतसारा (मधुबनी)
अभिनय- रामअधिन मण्डल स्व. धनिकलाल मण्डल मुंगराहा (सुपौल)
अभिनय- हरि नारायण मण्डल ..... छजना (मधुबनी)
अभिनय- राम बहादुर मुखिया स्व. बच्चा मुखिया ननपट्टी फुलपरास (मधुबनी)
अभिनय- श्री साधु दास स्व. .............. पिपराही-वनगामा (मधुबनी)
वाद्य एवं वादक नाओं/पता-
हारमोनियम- श्री जगदीश साहु स्व. गंगा प्रसाद साहु इटहरी (सुपौल)
ढोलक- श्री जुगल साफी स्व. दाहुर साफी इटहरी (सुपौल)
नङेरा-डिग्री- श्री रामकिसुन सदाय स्व. सोती सदाय इटहरी (सुपौल)
झाइल- श्री सुकदेव साफी ..... इटहरी (सुपौल)
झाइल- श्री रामेश्वर साहु स्व. मुकुन्द साहु इटहरी (सुपौल)
डिग्री सदैबला- श्री रामकिशुन सदाय ................... इटहरी (सुपौल)
भड़िया- झड़ी लाल सदाय श्री सरयुग सदाय इटहरी (सुपौल)
ढोलकिया-2 रामाशीष यादव .............. ननपट्टी-फुलपरास (मधुबनी)
हारमोनियम-2 श्री तनुकलाल मण्डल ................ हरियाही-िनर्मली (सुपौल)
आदर्श वाल-कला निकेतन- िनर्मली-पुनर्वास (जिला-सुपौल)
कम्पनी- श्री राम शरण कामत पे. स्व. शिवधर कामत
पता, गाम- सुरयाही, भाया- मुजियासी, अनुमण्डल- फुलपरास, जिला- मधुबनी (बिहार)
मैनेजर- श्री अशोक सिंह पे. स्व. वलराम सिंह
पता, गाम- इटहरी-पुरर्वास, पोस्ट- िनर्मली, भाया- िनर्मली, अनुमण्डल- िनर्मली, जिला- सुपौल (बिहार)
मंचन- (1) काँच ताग (2) आन्हर कानून (3) लोहा सिंह (4) माइक कलेजा (5) चुड़ी आ सिनूर
अभिनय कर्त्ताक नाओं/पता-
नायक- हेम नारायण साहु स्व. लक्ष्मी साहु इटहरी (सुपौल)
नारी पात्र- राम विलास साफी स्व. शोभित लाल साफी इटहरी (सुपौल)
नारी पात्र- अशोक सिंह श्री बलराम सिंह इटहरी (सुपौल)
नारी पात्र- हरि नारायण साहु श्री मिश्री लाल साहु इटहरी (सुपौल)
नारी पात्र हरि नारायण साहु श्री लक्ष्मी साहु इटहरी (सुपौल)
अभिनय- राम सागर साफी श्री शोभित साफी इटहरी (सुपौल)
अभिनय- सत्य नारायण साहु श्री लक्ष्मी साहु इटहरी (सुपौल)
अभिनय- जगत नारायण साहु श्री लक्ष्मी साहु इटहरी (सुपौल)
अभिनय- रोहित साहु श्री राम लखन साहु इटहरी (सुपौल)
अभिनय- हीरा लाल साहु स्व. सुकदेव साहु इटहरी (सुपौल)
अभिनय- जिरा लाल साहु स्व. सुकदेव साहु इटहरी (सुपौल)
अभिनय- रामावतार यादव श्री नुजाइ यादव इटहरी (सुपौल)
अभिनय- गंगा पासवान स्व. कुसुमलाल पासवान इटहरी (सुपौल)
अभिनय- रामचन्द्र यादव स्व. सुखी यादव इटहरी (सुपौल)
अभिनय- शत्रुध्न साहु स्व............. इटहरी (सुपौल)
गायक- मदन प्रसाद साहु स्व. गंगा प्रसाद साहु इटहरी (सुपौल)
वाद्य एवं वादक नाओं/पता-
हारमोनियम- जगत नारायण साहु श्री लक्ष्मी साहु इटहरी (सुपौल)
ठेकैता- राम विलास साफी स्व. शोभित लाल साफी इटहरी (सुपौल)
ठेकैता- श्री शिबू साफी ................... इटहरी (सुपौल)
झाइल- श्री राम नारायण साहु स्व. बच्चा लाल साहु लक्ष्मीपुर-धबही (मधुबनी)
हारमोनियम-2 अशोक सिंह श्री बलराम सिंह इटहरी (सुपौल)
कला निकेतन नाचपाटी- लक्ष्मिनियाँ (जिला-मधुबनी)
(1945-1965)
कम्पनी- श्री झमेली साहु पे. स्व. मंगल साहु
पता, गाम- लक्ष्मिनियाँ, पोस्ट- छजना, भाया- नरहिया, अनुमण्डल- फुलपरास, जिला- मधुबनी (बिहार)
मैनेजर- स्व. महेश्वरी पाठक पे. स्व. कारी पाठक
पता, गाम- मझोरा, पोस्ट- छजना, भाया- नरहिया, अनुमण्डल- फुलपरास, जिला- मधुबनी (बिहार)
नाचक मंचन- (1) जंगली वादशाह (2) वंश-उजारन (3) विदेशिया (4) शीत-वशंत (5) लोड़िक मनियार (6) राजा नल
अभिनय कर्त्ताक नाओं/पता-
नारी पात्र- स्व. अचकी गोसाँइ .................... लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
नारी पात्र- स्व. बहुरी मण्डल स्व. सुनर मण्डल लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
पुरुष पात्र- श्री रामदास साफी स्व. सुवंश साफी लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
पुरुष पात्र- स्व. घौली साफी स्व. सुनर साफी लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
पुरुष पात्र स्व. वसुदेव ठाकुर(उर्फ बतहु ठाकुर) स्व. कैलू ठाकुर लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
जोकर- स्व. खट्टर मुखिया ..................... लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
अभिनय- स्व. दुखाय साहु ..................... लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
नारी पात्र- स्व. रतन मण्डल ..................... मझौरा (मधुबनी)
अभिनय- स्व. बिलम साफी स्व. रूपा साफी लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
वाद्य एवं वादक नाओं/पता-
हारमोनियम- स्व. तुलसी मण्डल .................... मझौरा (मधुबनी)
ठेकैता- स्व. रघुनाथ ठाकुर .................... छजना (मधुबनी)
नागार्ची- स्व. फुसन राम स्व. कंचन राम लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
झाइल करताल- स्व. बच्चा मण्डल स्व. पंची मण्डल लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
डिगरी सेद्दा- स्व. अशर्फी गोसाँइ .................... लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
भड़िया- स्व. अशर्फी गोसाँइ .................... लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
अन्य सहयोगी-
स्व. नेबाजी साहु स्व. भैरव साहु लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
(संकलन सहयोग- रामविलास साहु, लक्ष्मिनियाँ, मधुबनी)
आदर्श नाचपाटी- लक्ष्मिनियाँ (जिला-मधुबनी)
(1968-1977)
कम्पनी- स्व. गर्भू गोसाँइ
पता, गाम- लक्ष्मिनियाँ, पोस्ट- छजना, भाया- नरहिया, अनुमण्डल- फुलपरास, जिला- मधुबनी (बिहार)
मैनेजर- स्व. नेबाजी साहु पे. स्व. भैरव साहु
पता, गाम- लक्ष्मिनियाँ, पोस्ट- छजना, भाया- नरहिया, अनुमण्डल- फुलपरास, जिला- मधुबनी (बिहार)
नाचक मंचन- (1) बापक हत्या (2) दमाद वध (3) निसााद वध (4) वंस-उजारन (5) गोपीचन (6) शंकर शोसिला (7) उतिम चन।
अभिनय कर्त्ताक नाओं/पता-
पुरुष पात्र- स्व. बहुरी मण्डल स्व. सुनर मण्डल लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
पुरुष पात्र- श्री राम अधिन दास स्व. जहुरी दास लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
पुरुष पात्र- स्व. झोली दास स्व. धुत्तर दास लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
नारी पात्र- श्री नथुनी दास स्व. सोनाइ दास लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
नारी पात्र स्व. रघुनी दास स्व. सुनर दास लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
अभिनय- श्री शिव नारायण मंडल ..................... लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
अभिनय- स्व. डुब्बी मुखिया ..................... लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
वाद्य एवं वादक नाओं/पता-
हारमोनियम- स्व. बहुरी मण्डल स्व. सुनर मण्डल लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
ठेकैता- स्व. श्री लाल गोसाँइ स्व. बुधु गोसाँइ लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
नागार्ची- स्व. रामेश्वर राम स्व. नेबी राम मझौरा (मधुबनी)
झाइल करताल- स्व. बच्चा मण्डल स्व. पंची मण्डल लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
डिगरी सेद्दा- स्व. चमकलाल गोसाँइ .................... लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
भड़िया- स्व. सुनर दास .................... लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
(संकलन सहयोग- रामविलास साहु, लक्ष्मिनियाँ, मधुबनी)
लक्ष्मिनियाँ नाचपाटी- लक्ष्मिनियाँ (जिला-मधुबनी)
(1970-1982)
कम्पनी- श्री राजेन्द्र प्रसाद साहु पे. स्व. सुन्दर लाल साहु
पता, गाम- लक्ष्मिनियाँ, पोस्ट- छजना, भाया- नरहिया, अनुमण्डल- फुलपरास, जिला- मधुबनी (बिहार)
मैनेजर- स्व. बहुरी मण्डल पे. स्व. सुनर मण्डल
पता, गाम- लक्ष्मिनियाँ, पोस्ट- छजना, भाया- नरहिया, अनुमण्डल- फुलपरास, जिला- मधुबनी (बिहार)
नाचक मंचन- (1) कुमर वृजभान (2) लछिया रानी (3) सुन्दर वनक सुन्दर फूल (4) अल्हा-रूदल (5) विजय सिंह (6) गुगली घटमा।
अभिनय कर्त्ताक नाओं/पता-
पुरुष पात्र- श्री सीताराम राम स्व. जंगल मोची लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
पुरुष पात्र- स्व. रसिक लाल गोसाँइ स्व. बुधु गोसाँइ लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
पुरुष पात्र- श्री गोसाँइ मुखिया स्व. डुब्बी मुखिया लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
नारी पात्र- श्री मलभोगी दास स्व. भायलाल दास लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
नारी पात्र श्री कल्लर राम स्व. खट्टर राम लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
अभिनय- श्री मूसन साहु स्व. अशर्फी साहु लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
नारी पात्र- श्री राम खेलावन राम स्व. फूसन राम लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
वाद्य एवं वादक नाओं/पता-
हारमोनियम- श्री राम शरण साहु स्व. हिरो साहु लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
ठेकैता- स्व. लक्ष्मण राम स्व. जीतन राम लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
नागार्ची- स्व. फूसन राम स्व. कंचन राम लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
झाइल करताल- श्री शिव नारायण मण्डल (गामक भगिनमान) लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
डिगरी सेद्दा- कपिलेश्वर राम स्व. सगम राम करहरी, फूलपरास (मधुबनी)
भड़िया- स्व. निरसन राम स्व. कंचन राम लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
काँरनेटिया- श्री चन्दर राम स्व. जीतन राम लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
(संकलन सहयोग- रामविलास साहु, लक्ष्मिनियाँ, मधुबनी)
कला नाचपाटी- छजना (जिला-मधुबनी)
(1945-1980)
कम्पनी- श्री लालदेव मण्डल पे. स्व. चतुरी मण्डल
पता, गाम- छजना, पोस्ट- छजना, भाया- नरहिया, अनुमण्डल- फुलपरास, जिला- मधुबनी (बिहार)
मैनेजर- श्री राम प्रसाद राम पे. स्व. गंगाय राम
पता, गाम- छजना, पोस्ट- छजना, भाया- नरहिया, अनुमण्डल- फुलपरास, जिला- मधुबनी (बिहार)
नाचक मंचन- (1) बिहुला शती (2) लछिया रानी (3) सुन्दर वनक सुन्दर फूल (4) पिता हत्या (5) दमाद वध (6) वंश-उजारन (7) कुमर वृजभान (8) विदेशिया (9) जंगली वादसाह (10) रास लिला।
अभिनय कर्त्ताक नाओं/पता-
नारी पात्र- श्री कारी मण्डल स्व. नंदी मण्डल छजना (मधुबनी)
नारी पात्र- श्री हरि मण्डल स्व. नंदी मण्डल छजना (मधुबनी)
पुरुष पात्र- श्री बच्ची लाल चौपाल स्व. दसाँइ चौपाल छजना (मधुबनी)
नारी/पुरुष पात्र- श्री छुतहरू चौपाल स्व. सुनर खतबे छजना (मधुबनी)
पुरुष पात्र स्व. नथुनी मण्डल स्व. रामफल मण्डल छजना (मधुबनी)
अभिनय- श्री झोली चौपाल स्व. ननधर चौपाल छजना (मधुबनी)
अभिनय- श्री छोटकनि चौपाल स्व. बौकू चौपाल छजना (मधुबनी)
नारी/पुरुष पात्र- श्री रामजस राम स्व. उचित राम छजना (मधुबनी)
नारी पात्र- श्री हरिहर राम स्व. दसाँइ राम छजना (मधुबनी)
पुरुष पात्र- श्री रामकिसुन मुखिया स्व. सहदेव मुखिया छजना (मधुबनी)
पुरुष पात्र श्री दुर्गा नंद ठाकुर स्व. नेंगर ठाकुर छजना (मधुबनी)
अभिनय- श्री मटन चौपाल स्व. सेमु चौपाल छजना (मधुबनी)
नृत- श्री शिव नारायण चौपाल श्री छोटकनि चौपाल छजना (मधुबनी)
वाद्य एवं वादक नाओं/पता-
हारमोनियम- श्री राम प्रसाद चौपाल स्व. बिहारी छजना (मधुबनी)
ढोलकिया- श्री जनकधारी चाैपाल स्व. खुशीलाल चौपाल छजना (मधुबनी)
नागार्ची- श्री छोटकनि राम स्व. सुनर राम छजना (मधुबनी)
झाइल करताल- श्री नथुनी चौपाल स्व. मधुकर चौपाल छजना (मधुबनी)
डिगरी सेद्दा- स्व. रोगहा चौपाल स्व. तेतर चौपाल छजना (मधुबनी)
भड़िया- श्री सुनर चौपाल स्व. नथुनी चौपाल छजना (मधुबनी)
काँरनेटिया- श्री राम प्रसाद राम स्व. मंगल राम लक्ष्मिनियाँ (मधुबनी)
अन्य सहयोगी-
श्री बालेश्वर ठाकुर स्व. लखन ठाकुर छजना (मधुबनी)
श्री रामविलास मुखिया स्व. बलदेव मुखिया छजना (मधुबनी)
श्री बिसो मण्डल स्व. अजोधी मण्डल छजना (मधुबनी)
(संकलन सहयोग- रामविलास साहु, लक्ष्मिनियाँ, मधुबनी)
गिरधारी नाचपाटी- छजना (जिला-मधुबनी)
(1956-2008)
कम्पनी- स्व. गिरधारी साहु
वर्त्तमान कम्पनी- जलेश्वर दास पे. स्व. खटर दास
पता, गाम- छजना, पोस्ट- छजना, भाया- नरहिया, अनुमण्डल- फुलपरास, जिला- मधुबनी (बिहार)
मैनेजर- जलेश्वर दास पे. स्व. खटर दास
पता, गाम- छजना, पोस्ट- छजना, भाया- नरहिया, अनुमण्डल- फुलपरास, जिला- मधुबनी (बिहार)
नाचक मंचन- (1) बिहुला शती (2) गोपी चन्द (3) अल्हा-रूदल (4) गुगली घटमा (5) रूणा-झुणा (6) सामा-चकेबा (7) पिता हत्या (8) दमाद वध (9) कबिर लिला (10) कलयुग प्रेम (9अम एवं 10सम वर्त्तमानमे जारी)
अभिनय कर्त्ताक नाओं/पता-
नारी पात्र- श्री गोसाँइ मण्डल ................... धबौली, वनगामा (मधुबनी)
नारी पात्र- श्री राजेश्वर यादव स्व. तनुक लाल यादव बेरयाही (मधुबनी)
पुरुष पात्र- श्री हरिहर चौपाल स्व. मोहन चौपाल छजना (मधुबनी)
नारी/पुरुष पात्र- श्री रघुनाथ चौपाल स्व. मुंगालाल चौपाल छजना (मधुबनी)
पुरुष पात्र श्री कुसुमलाल चौपाल स्व. नथुनी चौपाल छजना (मधुबनी)
अभिनय- श्री शिवजी चौपाल स्व. फुसियाही चौपाल छजना (मधुबनी)
नृत- श्री राजेन्द्र चौपाल स्व. धीरज चौपाल बिक्रम शेर,अंधरामठ (मधुबनी)
नारी/पुरुष पात्र- श्री नेहाली चौपाल स्व. जहुरी चौपाल छजना (मधुबनी)
नारी पात्र- श्री संतलाल साहु स्व. दसाँइ साहु छजना (मधुबनी)
अभिनय- श्री कपिलेश्वर राम स्व. नेबी राम मझौरा (मधुबनी)
अभिनय स्व. राम प्रसाद चौपाल स्व. बिहारी चौपाल छजना (मधुबनी)
अभिनय- श्री धर्मी मण्डल स्व. ................ रतन सारा (मधुबनी)
अभिनय- श्री यशोलाल यादव .................... बेरियाही (मधुबनी)
वाद्य एवं वादक नाओं/पता-
हारमोनियम- स्व. ठीठर मण्डल स्व. ...... रतनसारा (मधुबनी)
ढोलकिया- स्व. भुटाइ चाैपाल स्व. फेकन चौपाल छजना (मधुबनी)
नागार्ची- स्व. रामेश्वर राम स्व. नेबी छजना (मधुबनी)
झाइल करताल- श्री नथुनी चौपाल स्व. मधुकर चौपाल छजना (मधुबनी)
डिगरी सेद्दा- स्व. रोगहु चौपाल स्व. तेतर चौपाल छजना (मधुबनी)
भड़िया- स्व. नथुनी चौपाल स्व. चुमन चौपाल छजना (मधुबनी)
काँरनेटिया- श्री जालेश्वर दास स्व. खट्टर चौपाल छजना (मधुबनी)
अन्य सहयोगी-
श्री गंगाय साहु स्व. दुखाय साहु छजना (मधुबनी)
स्व. गोविन्द लाल साहु स्व. झगरू साहु छजना (मधुबनी)
श्री लोदाय चौपाल स्व. गुणेश्वर चौपाल छजना (मधुबनी)
श्री भुगती चौपाल स्व. बलदेव चौपाल छजना (मधुबनी)
(संकलन सहयोग- रामविलास साहु, लक्ष्मिनियाँ, मधुबनी)
मिथिलाक लोक संगीत/ लोक कला
भगैत गबैया-
(धर्मराज, ज्योतिश महराज, अंदू मालि, उदय साहु, हरिया डोम, बेनी, शती अवला, कारूबाबा इत्यादि भगैत निम्नलिखित ‘रसुआर-भगैत पार्टी’ 1980 ई.सँ गबै छथि।)
श्री शम्भु प्रसाद मण्डल
सुपुत्र स्व. लखन मण्डल
भगैत गायन सह खजरी वादन
उमेर- 42 साल
1980 ई.सँ भगैत गबै छथि।
पता- गाम- बढियाघाट/रसुआर, पोस्ट- मुंगराहा, भाया- िनर्मली, जिला- सुपौल।
श्री गंगाराम मण्डल
सुपुत्र श्री अशर्फी मण्डल-
झालि वादक
उमेर- 40
1980 ई.सँ झालि बजबै छथि।
पता- गाम- बढियाघाट/रसुआर, पोस्ट- मुंगराहा, भाया- िनर्मली, जिला- सुपौल।
श्री जनक मण्डल
सुपुत्र स्व. उचित मण्डल
उमेर- 60
रमझालि/ कठझालि/ करताल वादक
1975 ई.सँ रमझालि बजबै छथि।
पता- गाम- बढियाघाट/रसुआर, पोस्ट- मुंगराहा, भाया- िनर्मली, जिला- सुपौल।
श्री रविन्द्र मण्डल
सुपुत्र श्री खट्टर मण्डल
उमेर- 32
नाल वादक
पता- गाम- बढियाघाट/रसुआर, पोस्ट- मुंगराहा, भाया- िनर्मली, जिला- सुपौल।
श्री परमेश्वर मण्डल
सुपुत्र स्व. बिहारी मण्डल
उमेर- 41
ग्रुमबाजा/ गुमगुिमयाँ
1980 ई.सँ गुमगुिमयाँ बजबै छथि।
पता- गाम- बढियाघाट/रसुआर, पोस्ट- मुंगराहा, भाया- िनर्मली, जिला- सुपौल।
श्री महेन्द्र प्रसाद मण्डल
सुपुत्र स्व. छेदी मण्डल
उमेर- 48
कठझालि वादक
बचपनसँ गेबो करै छथि आ रमझालि/कठझालि बजेबो करै छथि।
पता- गाम- रसुआर, पोस्ट- मुंगराहा, भाया- निर्मली, जिला- सुपौल।
अपन मंतव्य editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाउ।
प्रियंवदा तारा झा
वापसी
मानसी भोरेसऽ तैयारीमे लागल छथि। भानस भातसऽ फरागति पाबि घऽर दिस ताकि स्वगते बजलीह, सब ठीके छैक ,आब कनी बिलमिकऽ तैयार भऽ जाइत छी।
बहुत समयसऽ अही दिनक प्रतीक्षा छलैन्ह, आइ मानस अप्पन परिवारक संग आबि रहल छथि। मानस हुनक अंश , जिनका शिक्षा-दीक्षाक लेल मानसी अप्पन ज़िनगी होमकऽ देने छलीह। ओ ख्याति प्राप्त सफल डाक्टर आइ विदेशक सुख-सुविधा छाड़ि अप्पन धरतीपर घुरि रहल छथि। भावावेश सऽ भरि उठलीह मानसी।
भरोस नै छलैन्ह जे बेटाके अहि गप्प लऽ तैयार कऽ सकब। ओतऽ पुतहुक समझदारी जे ई संभव भेल। सत्ते , मुक्ता बड्ड बुझनुक छथि। कतऽ हमरा ई चिन्ता छल जे ओ बेटाके हमरा सऽ दूर करतीह , मुदा ओ तऽ हमर निधिके हमरा लग आनि देलथि। भगवती , एहन पुतहु सबके देथुन्ह।
मोन पड़ै छैन्ह मानसीके अप्पन आशंका , पैघ घऽरक बेटी हमरा सन सामान्य परिवारमे कोना एडजस्ट करतीहॽ आब घऽरोमे अपमान सहऽ पड़तैक ? भीतर सऽ बड्ड डेराइत-डेराइत बेटाके इच्छा देखैत तैयार भेल रहथि ओ विवाह लेल।
आ जखन मानसके अमेरिका जयबाक मौका भेटलैन्हि तऽ हहरि गेल छलीह ओ। कतेक कहलखिन्ह , एत्तहु तऽ सब किछु छै , अही ठाम काज करू नऽ। बेर-बेर कहला सऽ खौंझा उठल छलाह मानव , तों कियैक नै बूझै छही , हमर कैरियरके सवाल छै। तकर बाद चुप भऽ गेल छलीह मानसी।
अमेरिका जयबासऽ किछु दिन पहिने मुक्ता रातिमे सासुके कहलखिन्ह , मां हम अहांक मनोस्थिति बूझि रहल छी। अहां चिन्ता नहिं करु , हम मानस के लऽ कऽ निश्चय वापस आयब , अहां बस अप्पन ध्यान राखब। आ भारी मोनसऽ विदा कऽ देने रहथिन्ह मानसी बेटा ,पुतहुके।
कोना कऽ ई पांच वर्ष कटलैन्हि मानसी वैह जनैत छथि। अप्पन आशंका , ताहिपर सऽ लोक सबहक गप्प , भरि ज़िन्दगी बेटा छोड़िकऽ क्यो सुझलैन्हिनै , आब लियऽ ,असकरि छोड़िकऽ पड़ैलैन्ह विदेश। मानसी सब सुनियो कऽ अनठा दैत छलीह , की करितथि आर ? मानस , मुक्तासऽ गप्प होइन्ह तऽ बेटासऽ बेशी आश्वस्ति भेटैन्ह , पुतहु बुझाबैन- अहां बस किछु दिन आर धैर्य राखू।
मानसी अतीतके पन्ना सबमे ओझरायले छलीह कि मुकुल बाबू बाहरसऽ बजैत ऐलखिन्ह , धुर अहां आइयो अहिना बैसल रहब की ? जल्दी उठू , परिछू पुतहुके , अहांके बेटा संग अहांक पोतियोके वापस आनने छथि।
हंहं , नेने अबैत छी , आइ हमर तपस्या पूर्ण भेल , बजैत हड़बड़ाइत बहरैली। एतेक दिनक बाद सबके देखि, आंखिसऽ गंगा जमुना बहऽ लगलैन्ह , मुदा आइ ई नोर छलैन्ह खुशीके। गदगद स्वरमे बजलीह , मुक्ता अहां मानसो सऽ बेशी प्रिय छी हमरा।
अपन मंतव्य editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाउ।
आशीष अनचिन्हार
सपना आ भ्रम
(ई लघुकथा हमर पहिल प्रकाशित लघुकथा अछि जे कि 2007मे विद्यापति सेवा संस्थानक स्मारिकामे प्रकाशित भेल छल। विदेहक पाठक एवं आन माध्यमक नव पाठक लेल हम एकरा एहिठाम दऽ रहल छी।- आशीष अनचिन्हार)
घटनासँ पूर्वक गप्प :
सपना देखैत लोक सावधान भऽ जाउ। बड्ड दिन धरि अहाँ सभ सपना देखलहुँ, किछु दिन बिनु स्वपन देखने रहू।
"की कहलहुँ ? सपना देखबाक हिस्सक लागि गेल अछि हमरा सभकेँ। हँ से त' सत्ते कहलहुँ - अहाँ, आ से हमहूँ बूझि रहल छी।"
"फेर की कहलहुँ। सपना देखब आवश्यक छैक जिनगीक लेल। ई के कहलक अहाँकेँ? बेस मानलहुँ हम जे सपना देखब आवश्यक छैक, मुदा कनेक ई अहाँ फरिछाउ -जे की केवल सपने देखब आवश्यक छैक ओकर क्रियान्व्यन किछु नहि।"
"की भेल औ, चुप्प छी किएक किछु बाजू ने।"
"ओह बुझाइत अछि जे फेर अहाँ सभ सूति रहलहुँ घोर निन्नमे सपना देखबाक लेल, खाली आ खाली सपना देखबाक लेल।"
सूतब एक रंगक गप्प भेल। सपना देखब दोसर रंगक आ सपना देखि ओकरा क्रियान्व्यन करब तेसर रंगक गप्प भेल। मुदा ई तीनू एक दोसरसँ संबंधित अछि प्रजातंत्रक नेता जकाँ। एह कड़ी महँक जँ कोनो कड़ी टूटि गेल तँ सभटा खेल खतम आ पैसा हजम ।
“आ भ्रम की छैक।"
"अच्छा, अच्छा उठि गेलहुँ की ?"
"हँ कनेक आँखि लागि गेल छल"
"हँ से तँ लगबे करत हिस्सक अछि ने। मुदा हम एहि प्रसंगकेँ छोड़ि अहाँक प्रश्नपर आबी से उत्तम। ओना अहाँक प्रश्नक उत्तर जतेक कठिन ततबे सरल। आब अहाँ ई उदाहरण नहि देब जे संसारे भ्रम थिक। ई गप्प हमरो बूझल अछि। मुदा एहि बाटे जाएब हमरा अभीष्ट नहि।"
"हँ तँ अहाँ हमरासँ की पुछने छलहुँ, इएह ने जे भ्रम की थिक। अच्छा एकटा गप्प कहूँ, अहाँ सभ त निश्चित रूपँ मैथिली साहित्यक प्रेमी हएब। हएबे करब। जकरा पाबि कऽ अनेरे पुरस्कार ओ सम्मान भेटैत हो ओकरासँ प्रेम नहि करक तँ करबैक केकरासँ। हँ तँ जखन अहाँ लोकनि साहित्यक प्रेमी छी तँ किछु ने किछु कहबी जनिते हएबैक। आब अहाँ सभ मोने-मोन
कहब जे ईहो कोनो पुछबाक गप्प छैक। मुदा हम जनैत छिऐक जे गप्प छैक। आब जखन गप्प कहबीपर एलैक अछि तखन अहाँ सभकेँ तँ एकटा कहबी मोने हएत ने औ? कोन, जनैत छियैक ? वएह जाहिमे कहल गेल छैक जे अपने सूतल छी आ विआह होइत अछि।" आब अहाँ सभ किछु-किछु बुझए लागल हएबैक।
"की कहलहुँ, एखनो धरि नहि बुझलिअइ। ठीक छैक तखन हमरा दोसरो कहबी कहए पड़त।"
"जेना"
"जेना की ओ कहबी छैक-अपने नहाइत छी आ कीदन दहाइत अछि।" आबो बुझलिअइ यौ? की बजलहुँ, एखनो धरि बुझाएल ई गप्प। अरौ बाप रौ बाप। आब हम कोना बुझाएब अहाँ सभकेँ। अच्छा, कोनो गप्प नहि, एहि बेर हम तेरहम विद्याक प्रयोग कए रहल छी।"
"अर्थात्।"
“अर्थात् जे आब हम सोझे-सोझ गप्पकेँ खोलि कऽ कहब।"
"कहू"
"हँ, सुनल जाए। मनुख जा धरि सपना देखैत अछि ता धरि तँ ठीक आ आवश्यको छैक, मुदा जहाँसँ मनुख सपनामे क्रियान्वित काज के वास्तविक जीवनमे सत्त बूझि लैत छथिन्ह ओही ठामसँ भ्रम शुरू भए जाइत छैक। एकरे जँ दोसर तरहें एना कही जे-सपना देखब जरूरी छैक मुदा सपनामे भेल काज के वास्तविक जीवनमे बिनु हाथ-पएर डोलेने सत्त मानब भ्रम थिक। आब तँ बुझिए गेल हेएबैक जे सपना कि थिक आ भ्रम की।"
"आबो बुझलिअइ औ"
"की भेल औ"
"ओह फेर सूति रहलिअइ की ? जाउ, सूतू ग।"
घटनाक गप्प :
पुरबा बहैए
मच्छर कटैए निन्न नहि अबैए
कनियाँ मोन पड़ैए...
टेपसँ मधुर गीत बहार भए रहल छल आ एम्हर बाबू साहेब अपन मित्र दिलीपकेँ रातुक सपनाक संबंधमे सुना रहल छलाह। बाबू साहेब दिलीप के कहलखिन्ह-"बुझलह रातुक सपनामे तों हमरासँ प्रश्नपर प्रश्न करैत चल गेलह आ हम जबाबपर जबाब दैत।"
दिलीप अविश्वासक भावसँ साहेब दिस तकलक आ पुछि देलकै-"कहक तँ जे हम तोरासँ की-की पुछलिअह आ तो हमरा की-की जबाब देलह। बाबू साहेब जाँघपर हाथ मारैत बजलाह-"एहीठाम तँ मारि खा गेलहुँ। एखन धरि मोन नहि पड़ल अछि। भोरेसँ मोन पाड़ि रहल छी। दिलीप हँसि देलथि। बाबू साहेब थोड़ेक रुष्ट होइत पुछलखिन्ह-की विश्वास नहि होइत छह ? दिलीप पूर्ववत भावसँ उत्तर देलखिन्ह "सपनों सभ कोनो विश्वास करबाक वस्तु होइत छैक। प्रत्येक दिन-रातिमे प्रत्येक मनुष्य नहि जानि कतेक सपना देखैत हेतैक। के गनती राखता हँ जँ ओ वास्तविक जीवनमे सत्त हुअए तखन ने ओकरा सत्त मानल जाए।" बाबू साहेबक मुँह अप्पन सन भए गेलन्हि, मदा कनेकबे देर धरि। किछु देर घरि ओ किछु बिचारत दिलीपसँ जिज्ञासा केलखिन्ह अच्छा मीत एकटा गप्प कहअ जे वस्तु सच का आकर छाँह?
आ दिलीप अकबका गेलाह अनचोकेमे एहन प्रश्न सुनि कऽ। किछु ने फुरेलन्हि उत्तरमे। सोचमे डूबि गेलाह। मुदा कतेक देर धरि, किछु ने किछु त उत्तर देबहे पड़तनि। किछु विचारैत ओ गंभीर स्वरमे बजलाह-"दुनू सत्त।"
बाबू साहेब फेर पुछलखिन्ह "कोना"
दिलीप फरिछबैत कहलखिन्ह- "ई गप्प तँ निश्चित छैक जे वस्तु सच थिक आ वस्तुएसँ त छाँह होइत छैक, तँइ वस्तुक संगे-संग छाँहो सत्त।"
बस आब की छल बाबू साहेब खुश होइत पुछि देलखिन्ह "अच्छा मुदा ई कहह जे वस्तु सत्त छैक तँइ ओकरासँ उत्पन्न छाँह सेहो सत्त भए गेल। मुदा तोरे कथनानुसार सपना फूसि आ ओकर सकार रूप सत्त, एहन दोहरा भाव किएक जखन की मूल प्रश्न एकै छैक। जेना वस्तु ओ ओकर छाँह एक दोसरसँ संबंधित छैक तेनाहिते संपना आ ओकर सकार रूप एक दोसरसँ संबंधित छैक।" दिलीपपर ई दोसर बेर बज्जर खसलैन्ह। ओ बिनु पपनी खसेने बाबू साहेब दिस देखए लगलाह आ बाबू साहेब दिलीपक आँखिमे।
घटनाक पछातिक गप्प :
एहि कथामे ने किछु सार छैक ने रस से हम मानैत छी। मुदा कनेक काल लेल हम अथवा अहीं जँ दिलीप भऽ जाइ तँ बाबू साहेब के हेताह ? के जोखिम उठा सकैत छथि बाबू साहेब
बनबाक लेल ? ई प्रश्न जतबे अनिर्णायक छल ततबे एखनो अछि आ आँगा रहत की नहि रहत से हम नहि कहि सकी, कारण हम कोनो भविष्यवक्ता नहि छी।
मुदा प्रश्न तँ सोझामे ठाढ़ अछि। जे व्यक्ति केकरो एक पक्ष के सत्त मानैत छथिन्ह त ओकर दोसर पक्ष के फूसि किएक ? जखन की दूनू पक्ष एक दोसरसँ संबंधित छैक। अविभाज्य छैक। प्रश्न तँ उठबे करतैक, आखिर किनको लेल ब्रह्म किएक सत्त आ माया किएक फूसि ? प्रश्न बहुत रास आबि सकैत अछि। बड़ जोरसँ रोकलाक पछातिओ। आ जे मायाकेँ सत्त मानत छथिन्ह से ब्रम्हकेँ फूसि किएक ?
प्रश्नक काज छैक बढ़नाइ बढ़बे करतैक, खाली हम अहाँ एक दोसरक मुँह देखैत रहबैक। अच्छा ई कहू जे - प्रकृतिक उद्दीपन सत्त की आत्माक द्वन्द सत्त की इन्द्रियक दमन सत्त। सत्त की छैक।
प्रश्न बढ़ले जा रहल अछि।
राम सत्त की रावण ? केओ कहताह राम केओ रावण। मुदा की रामक बिनु रावणक आ रावणक बिनु रामक अस्तित्व संभव छैक। ई प्रश्न सभ भूतकालक थिक से अहाँ कहि सकैत छियै संगहि-संग अहाँ हमरा भूतजीवीक उपमा सेहो दए देब, तँइ आब हम वर्तमान कालमे प्रवेश करब।
आब अहीं कहू जे एहि मेंसँ सत्त की छैक अमेरिकाक दादागीरी, पाकिस्तानक आतंकवादी, इरानक स्वाभिमान, चीनक कूटनीति की भारतक शान्ति। सत्त की छैक एहिमेसँ। अहाँ कहबे करब जे अमेरिकाक दादागिरी आ पाकिस्तानक आतंकवादी फूसि आ भारतक शान्ति सत्त। मुदा ई भावना भने अहाँक देश-प्रेमक परिचायक हुअए। मुदा एकरा निरपेक्ष नहि कहल जा सकैए। अंततः शान्ति की छै। आतंक एवं दादागिरीक दमनक पश्चात् जे आनंद बुझाइत छैक ओकरे नाम हम अहाँ शान्ति देने छियै ने। आब अहीं सभ सोचिऔ कनेक जे जँ आतंक नहि हेतैक तँ शान्तिक उत्स हेतैक कतएसँ आ जँ कहींसँ उत्स भइओ गेलैक तँ, हेतैक केकरा लेल। तँइ आतंको सत्त आ शान्तियो सत्त।
"अपनेक कहक अभिप्राय ?"
"अच्छा उठि गेलहुँ। बड्ड देरक पछाति निन्न टूटल अहाँक ?"
"हँ, फेर कनेक आँखि लागि गेल छल!"
"अच्छा "
"हँ त हम अपनेक अभिप्राय पुछैत छलहुँ"
"अभिप्राय ? हँ तँ हमर कहक अभिप्राय जे संसारमे सभ सत्त थिक"
"अच्छा मानू जे सभ सत्त थिक तँ फूसि की थिक। की पृथ्वी फूसि विहीन अछि"
"नहि-नहि, इहो कहब निरपेक्ष नहि हएत जे पृथ्वीविहीन अछि"
"अँए की बजलहुँ, एखने कहैत छलियै जे पृथ्वीपर सभ सत्ते अछि आ एखने कहलिअइ जे पृथ्वी फूसिविहीन नहि छैक। एना दुचित्तापन किएक ?"
"सरकार ई दुचित्तापन नहि थिक। हम जे पहिने कहलहुँ सेहो सत्त आ एखन जे कहलहुँ सेहो सत्त"
"फेर अहाँ गप्पकेँ घुरछिया देलियै" "नहि सरकार गप्प तँ एकदम सोझ छैक, खाली हमर अहाँक मोन बौआ रहल अछि"
"ई अहाँ की सभ बाजि रहल छी से नहि जानि"
"जानए के प्रयासो तँ करियौ"
"तखन अहीं कहू".
"की"
"इएह जे अहाँक दूनू गप्प कोना सत्त"
"हम कहैत छलहुँ जे शान्तियो सत्त आ आतंको सत्त सएह ने"
"हँ"
"अच्छा आब एकटा गप्प सूनू मानू जे एकटा आतंकवादी आतंकक प्रसार कएलक आ नुका गेल। तकरा पछाति शासक ओकरा ताकि-हेरि कऽ समुचित दंड देलक। आब एहि गप्पकेँ नीक जकाँ बुझियौ आतंकवादी जे आतंक प्रसार कएलक ई भेल आतंकवादीक सत्त आ शासन ओकरा दंड देलक। ई भेल शासनक सत्त। मुदा की देखैत छिऐक हम-अहाँ सभ। आतंकवादी अपन सत्त देखा चल जाइत अछि आ शासन चुप्प रहैत अछि। इएह चुप्पी तँ फूसि थिक, भ्रम थिक। रावण सीताहरण कए लैत अछि आ आबक राम रामेश्वरक स्थापना कए घूरि अबैत छथि, इएह घूरि जेनाइ तँ फूसि थिक, भ्रम थिक। शासनक सत्त तखने रहतैक जखन की ओ आतंकीकेँ दंड देत। रामक सत्त तखने जखन की ओ रावण के परास्त कए सकथि। मुदा से नहि भए रहल आ ई जे नहि भए रहल सएह तँ फूसि आ भ्रम भेल। आ इएह फूसि इएह भ्रम चारू दिस पसरि रहल अछि। इएह आँगन, दुआरि, चौकठि, बड़ेरी, मोन, आत्मा सन के गछारने अछि। आ हम-अहाँ इएह फूसि इएह भ्रमक दुनियाँमे बौआ रहल छी, एहि छोड़सँ ओहि छोड़, एहि आरसँ ओहि पार धरि हाथमे एकटा टूटल छौकी लेने।
अपन मंतव्य editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाउ।