VIDEHA ISSN 2229-547X · First Maithili Fortnightly eJournal · Since 2000 · www.videha.co.in
विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विदेह — प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

खुशवंत सिंह कृत 'दिल्ली'

लालदेव कामत · Videha अंक ४५३ · 01 November 2026

लालदेव कामत

खुशवंत सिंह कृत 'दिल्ली'

भारतके वर्तमान राजधानी नैका दिल्लीक' विषयमे किछ - किछ पहिले सँ बुझल छल। सन् १९९१ ई० मे दिल्ली'क यात्रा कय एक सप्ताह प्रवास कयने रही। दिल्लीक इतिहास संक्षिप्त रूपमे जानबाक अवसर स्कूली शिक्षा ग्रहण करैत सेहो तँ रहबे करय। मुदा आब ऐतिहासिक सन्दर्भ जानबाक आ सेहो दिल्लीक ६०० साल पूर्व सँ इन्दिरा गान्धीक हत्या कालधरिक, तँ सरदार खुशवंत सिंह केर अंग्रेजी नोबेल "दिल्ली" के हिन्दी अनुवाद पढ़ला पर भेल हेन । सुप्रसिद्ध देवरिया (उत्तर प्रदेश) केर यशस्वी अनुवादिका श्रीमती उषा महाजन जीक विलक्षण भावानुवाद सँ सरल ओ सहज रूपेँ दिल्लीक विषयमे गूढ़तम तथ्य धरि पाठक जानि जाइत य। से एहि हिन्दी पोथीक मोल ६०० टाका आ पृष्ठ संख्याँ ३३४ छैक, जे किताब घर प्रकाशन - नव दिल्ली सँ एहि वर्ष २०२६ ई० मे प्रकाशित भेलैक हेन। जाहि केँ आई एस बी एन . ९७८-८१-७०१६-१९१-२ नम्बर भेटल छैक। एहि पोथीके लालित्यपूर्ण ओ चामत्कारिक सन्दर्भक एक पात्र जे मुख्य नायिका थिकिह - भागमती हिजरनी ,तकर अश्लिल पक्षकेँ हम बादमे प्रस्तुत करब। उपन्यासक कथ्य ओ भाव पूर्ण वर्णन २१ टा पाठमे छैक, जाहिमे १० गोट पाठ बीच - बीचमे भागमती उप शिर्षक सँ देल गेल छै। जाहि सँ पाठक वृंध केर ज्ञानमे अभिवृध्दि अवश्य होयत। तेँ ई बहुचर्चित पोथी अवश्य पढ़ि कऽ मनन करी आ सहेज केँ राखि। अपन बीश बरखक मेहनत सँ लिखल पोथी ' दिल्ली ' उपन्यासकेँ समर्पित करैत मूल उपन्यासकार पुत्र राहुल सिंह आ ओकर अभिन्न मित्र नीलोफर बिल्लीमोरिया'क नाम उल्लेखित कयने छथि। ऐतिहासिक ई पोथीमे मात्रे राजा महाराजाक ऐशोआरम कथा टा नहिं य। एहिमे ओहि स्त्रीके कथा कहल गेल छैक ,जकर विचार पाठक केँ प्रेरणा दैत छैक।‌ इतिहास प्रसंगमे मात्रे युद्धक' दृश्य आ राजपाट हरपब नै, परंच सफल तत्कालीन नेतृत्व गुणक एक कला सिखबैत छै। सन् १२६५ ई० गयासउद्दीन बलबनके शासनकाल सँ आरम्भ एहि उपन्यासमे तैमूर लंग, नादीर शाह ,मीर तकी मीर ,औरंगजेब ,अमीर खुसरो , बहादुर शाह जफर केर प्रसंगक वर्णन होइत दीर्घकथा केँ नमराबैत आधुनिक कालक डिल्ली धरि पुंगलैक हेन। नैका दिल्लीक निर्माण कोना भेल आ १९८४ ई० मे भारतीय प्रधानमंत्री श्रीमती इन्दिरा गान्धीक अवसानमय परिदृश्य कोना घटना घटित भेल तकर व्याख्यान उपस्थापित कयल गेल छैक। लेखनीमे सरदारजी अपन रसीक कल्पना आ आभामय सँ जान - प्राण ओ माऔस मज्जा भरने छथि। नायक आ नायिकाक चरित्र विभत्स रहलाह सँ दिल्लीक आ प्रेयसी भागमती दूनू काहिल - जाहिलक हाथे गीजल गेलैक । आताताईक आक्रमण , से भारत विदेशी लुटेरा सँ त्रस्त भेल छैक तेना भऽ कऽ जेना बाँझ बनि गेल होय! धरि चेचक (मैया) धव्बा सँ कुरूप भागमती बुढ़ियाक पीठ पर ईमानदारिक धप्पा लागैत छै,सेहो भीषण दंगा आ कार्फ्यूमे। नव पिढ़िक पढ़ाकू लोक एहि पोथीकेँ हाथोहाथ लैत जा रहल छैक। एहिक प्रचार - प्रसारमे प्रकाशक केँ सोशल मीडिया पर खूब विज्ञापन भरखर रुपेँ संग देलकैक अछि। दिल्ली तँ दिल्लीये छी।

अपन मंतव्य editorial.staff.videha@zohomail.in पर पठाउ।

Translate with AI (ए.आइ. द्वारा अनुवाद करू) · सहायक तकनीक · Assistive Tech