VIDEHA — Issue 207 / अंक २०७

Publication: VIDEHA · Issue: 207
Open original PDF at Internet Archive

33 ISSN 2229-547X VIDEHA 'विदेह' २०७ म अंक ०१ अगस्त २०१६ (वर्ष ९ मास १०४ अंक २०७) ऐ अंकमे अछि:- १. संपादकीय संदेश २. गद्य २.१. मलयनाथ मण्डन- बिहनि कथा- कोढ़िया २.२.राजीव कर्ण- बीहनि कथा- चक्षु भोजन २.३.मुन्ना जी- बीहनि कथा (Seed Story)- बहिंगा २.४.घनश्याम घनेरो- बीहनि कथा (seed story)- जमाना ३. पद्य ३.१.मनोज झा मुक्ति-प्रकृतिसँ अनुनय ३.२.आशीष अनचिन्हार- २ टा गजल ३.३.संतोष कुमार झा- अथर्व ३.४.अब्दुर रज्जाक राइन- मुसहर डोम आ चमार ४.बालानां कृते- रवि भूषण पाठक- किछु बाल कविता Go to the link below for download of old issues of VIDEHA Maithili e magazine in .pdf format and Maithili Audio/ Video/ Books/ paintings/ photo files. विदेहक पुरान अंक आ ऑडियो/ वीडियो/ पोथी/ चित्रकला/ फोटो सभक फाइल सभ डाउनलोड करबाक हेतु नीचाँक लिंक पर जाउ। VIDEHA ARCHIVE विदेह आर्काइव Join official Videha facebook group. Join Videha googlegroups Follow Official VidehaTwitter to view regular Videha  Live Broadcasts through Periscope. विदेह जालवृत्तक डिसकसन फोरमपर जाउ। संपादकीय विदेह रचनात्मकता बढ़ेबाक हिसाबे किछु ने किछु नव काज करैत आबि रहल अछि। ऐ बेर विदेह एकटा नव प्रोजेक्ट लऽ कऽ आएल अछि, जै अन्तर्गत विदेहक संपादक मंडल एकटा कोनो रचनाकर्मीसँ हुनक किछु रचना आमंत्रित कऽ विदेहक एकटा अंकमे देत आ ओइ रचनाकर्मीक संबंधमे कोनो आन रचनाकर्मी टिप्पणी देता। रचनाकर्मी आ टिप्पणी देनिहारक नामक घोषणा एकै समएमे कएल जाएत। रचना ओ टिप्पणी जहिया आएत तै केर बादे अंक केर निर्णय कएल जाएत मने रचना आ टिप्पणी दूनू ऐ प्रोजेक्ट लेल आवश्यक अछि। 

ऐ प्रोजेक्ट केर पहिल घोषणामे कामिनी क रचना आमंत्रित कएल जा रहल अछि आ कामिनीजीक रचनाधर्मितापर टिप्पणी करबा लेलमधुकांत झा जीकेँ आमंत्रित कएल जा रहल छनि। ओना ई प्रोजेक्ट सबहक सहयोगपर आधारित रहत तँए ई प्रोजेक्ट लगातारो चलि सकैए आ सुविधानुसार सेहो। जेना की सभ गोटा जनै छी जे विदेह २०१५ मे तीन टा विशेषांक तीन साहित्यकारपर प्रकाशित केलक जकर मापदंड छल सालमे दूटा विशेषांक जीवित साहित्यकारक उपर रहत जइमे एकटा ६०-७० वा ओइसँ बेसी सालक साहित्यकार रहता तँ दोसर ४०-५० सालक ( मैथिली साहित्यकार मने भारत आ नेपाल दूनूक)। ऐ क्रममे अरविन्द ठाकुर ओ जगदीश चंद्र ठाकुर "अनिल"जीपर विशेषांक निकलि चुकल अछि। आगूक विशेषांक किनकापर हुअए तइ लेल एक मास पहिनेसँ पाठकक सुझाव माँगल गेल छल।  पाठकक सुझाव आएल आ ओइ सुझाव अंतर्गत विदेहक किछु अगिला विशेषांक परमेश्वर कापड़ि, वीरेन्द्र मल्लिक आ कमला चौधरी पर रहत। हमर सबहक प्रयास रहत जे ई विशेषांक सभ जनवरी ओ फरवरी २०१७ मे प्रकाशित हुअए मुदा ई रचनाक उपलब्धतापर निर्भर करत। मने रचनाक उपलब्धताक हिसाबसँ समए ऊपर-निच्चा भऽ सकैए। सभ गोटासँ आग्रह जे ओ अपन-अपन रचना ३१ दिसम्बर २०१६ धरि ggajendra@videha.com पर पठा दी। विदेह सम्मान विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी सम्मान १.विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी फेलो पुरस्कार २०१०-११ २०१० श्री गोविन्द झा (समग्र योगदान लेल) २०११ श्री रमानन्द रेणु (समग्र योगदान लेल) २.विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी पुरस्कार २०११-१२ २०११ मूल पुरस्कार- श्री जगदीश प्रसाद मण्डल (गामक जिनगी, कथा संग्रह) २०११ बाल साहित्य पुरस्कार- ले.क. मायानाथ झा (जकर नारी चतुर होइ, कथा संग्रह) २०११ युवा पुरस्कार- आनन्द कुमार झा (कलह, नाटक) २०१२ अनुवाद पुरस्कार- श्री रामलोचन ठाकुर- (पद्मानदीक माझी, बांग्ला- मानिक बंद्योपाध्याय, उपन्यास बांग्लासँ मैथिली अनुवाद) विदेह भाषा सम्मान २०१२-१३ (वैकल्पिक साहित्य अकादेमी पुरस्कारक रूपमे प्रसिद्ध) 1.विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी फेलो पुरस्कार 2012 2012 श्री राजनन्दन लाल दास (समग्र योगदान लेल) 2.विदेह भाषा सम्मान २०१२-१३ (वैकल्पिक साहित्य अकादेमी पुरस्कारक रूपमे प्रसिद्ध) २०१२ बाल साहित्य पुरस्कार - श्री जगदीश प्रसाद मण्डल केँ “तरेगन” बाल प्रेरक विहनि कथा संग्रह २०१२ मूल पुरस्कार - श्री राजदेव मण्डलकेँ "अम्बरा" (कविता संग्रह) लेल। 2012 युवा पुरस्कार- श्रीमती ज्योति सुनीत चौधरीक “अर्चिस” (कविता संग्रह) 2013 अनुवाद पुरस्कार- श्री नरेश कुमार विकल "ययाति" (मराठी उपन्यास श्री विष्णु सखाराम खाण्डेकर) विदेह भाषा सम्मान २०१३-१४ (वैकल्पिक साहित्य अकादेमी पुरस्कारक रूपमे प्रसिद्ध) २०१३ बाल साहित्य पुरस्कार – श्रीमती ज्योति सुनीत चौधरी- “देवीजी” (बाल निबन्ध संग्रह) लेल। २०१३ मूल पुरस्कार - श्री बेचन ठाकुरकेँ "बेटीक अपमान आ छीनरदेवी" (नाटक संग्रह) लेल। २०१३ युवा पुरस्कार- श्री उमेश मण्डलकेँ “निश्तुकी” (कविता संग्रह)लेल। २०१४ अनुवाद पुरस्कार- श्री विनीत उत्पलकेँ “मोहनदास” (हिन्दी उपन्यास श्री उदय प्रकाश)क मैथिली अनुवाद लेल। विदेह भाषा सम्मान २०१४-२०१५ (समानान्तर साहित्य अकादेमी सम्मान) २०१४ मूल पुरस्कार- श्री नन्द विलास राय (सखारी पेटारी- लघु कथा संग्रह) २०१४ बाल पुरस्कार- श्री जगदीश प्रसाद मण्डल (नै धारैए- बाल उपन्यास) २०१४ युवा पुरस्कार - श्री आशीष अनचिन्हार (अनचिन्हार आखर- गजल संग्रह) २०१५ अनुवाद पुरस्कार - श्री शम्भु कुमार सिंह ( पाखलो -  तुकाराम रामा शेटक कोंकणी उपन्यासक मैथिली अनुवाद) नाटक, गीत, संगीत, नृत्य, मूर्तिकला, शिल्प आ चित्रकला क्षेत्रमे विदेह सम्मान २०१२ अभि‍नय- मुख्य अभिनय , सुश्री शि‍ल्‍पी कुमारी, उम्र- 17 पि‍ता श्री लक्ष्‍मण झा श्री शोभा कान्‍त महतो, उम्र- 15 पि‍ता- श्री रामअवतार महतो, हास्‍य-अभिनय सुश्री प्रि‍यंका कुमारी, उम्र- 16, पि‍ता- श्री वैद्यनाथ साह श्री दुर्गानंद ठाकुर, उम्र- 23, पि‍ता- स्‍व. भरत ठाकुर नृत्‍य सुश्री सुलेखा कुमारी, उम्र- 16, पि‍ता- श्री हरेराम यादव श्री अमीत रंजन, उम्र- 18, पि‍ता- नागेश्वर कामत चि‍त्रकला श्री पनकलाल मण्डल, उमेर- ३५, पिता- स्व. सुन्दर मण्डल, गाम छजना श्री रमेश कुमार भारती, उम्र- 23, पि‍ता- श्री मोती मण्‍डल संगीत (हारमोनियम) श्री परमानन्‍द ठाकुर, उम्र- 30, पि‍ता- श्री नथुनी ठाकुर संगीत (ढोलक) श्री बुलन राउत, उम्र- 45, पि‍ता- स्‍व. चि‍ल्‍टू राउत संगीत (रसनचौकी) श्री बहादुर राम, उम्र- 55, पि‍ता- स्‍व. सरजुग राम शिल्पी-वस्तुकला श्री जगदीश मल्लिक,५० गाम- चनौरागंज मूर्ति-मृत्तिका कला श्री यदुनंदन पंडि‍त, उम्र- 45, पि‍ता- अशर्फी पंडि‍त काष्ठ-कला श्री झमेली मुखिया,पिता स्व. मूंगालाल मुखिया, ५५, गाम- छजना किसानी-आत्मनिर्भर संस्कृति श्री लछमी दास, उमेर- ५०, पिता स्व. श्री फणी दास, गाम वेरमा विदेह मैथिली पत्रकारिता सम्मान -२०१२ श्री नवेन्दु कुमार झा नाटक, गीत, संगीत, नृत्य, मूर्तिकला, शिल्प आ चित्रकला क्षेत्रमे विदेह सम्मान २०१३ मुख्य अभिनय- (1) सुश्री आशा कुमारी सुपुत्री श्री रामावतार यादव, उमेर- १८, पता- गाम+पोस्‍ट- चनौरागंज, भाया- तमुरि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) (2) मो. समसाद आलम सुपुत्र मो. ईषा आलम, पता- गाम+पोस्‍ट- चनौरागंज, भाया- तमुरि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) (3) सुश्री अपर्णा कुमारी सुपुत्री श्री मनोज कुमार साहु, जन्‍म ति‍थि‍- १८-२-१९९८, पता- गाम- लक्ष्‍मि‍नि‍याँ, पोस्‍ट- छजना, भाया- नरहि‍या, थाना- लौकही,जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) हास्‍य–अभिनय- (1) श्री ब्रह्मदवे पासवान उर्फ रामजानी पासवान सुपुत्र- स्‍व. लक्ष्‍मी पासवान, पता- गाम+पोस्‍ट- औरहा, भाया- नरहि‍या, थाना- लौकही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) (2) टाॅसि‍फ आलम सुपुत्र मो. मुस्‍ताक आलम, पता- गाम+पोस्‍ट- चनौरागंज, भाया- झंझारपुर, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) नाटक, गीत, संगीत, नृत्य, मूर्तिकला, शिल्प आ चित्रकला क्षेत्रमे विदेह सम्मान (मांगनि खबास समग्र योगदान सम्मान) शास्‍त्रीय संगीत सह तानपुरा : श्री रामवृक्ष सि‍ंह सुपुत्र श्री अनि‍रूद्ध सि‍ंह, उमेर- ५६, गाम- फुलवरि‍या, पोस्‍ट- बाबूबरही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) मांगनि‍ खबास सम्‍मान: मिथिला लोक संस्कृति संरक्षण: श्री राम लखन साहु पे. स्‍व. खुशीलाल साहु, उमेर- ६५, पता, गाम- पकड़ि‍या, पोस्‍ट- रतनसारा, अनुमंडल- फुलपरास (मधुबनी) नाटक, गीत, संगीत, नृत्य, मूर्तिकला, शिल्प आ चित्रकला क्षेत्रमे विदेह सम्मान (समग्र योगदान सम्मान): नृत्‍य - (1) श्री हरि‍ नारायण मण्‍डल सुपुत्र- स्‍व. नन्‍दी मण्‍डल, उमेर- ५८, पता- गाम+पोस्‍ट- छजना, भाया- नरहि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) (2) सुश्री संगीता कुमारी सुपुत्री श्री रामदेव पासवान, उमेर- १६, पता- गाम+पोस्‍ट- चनौरागंज, भाया- झंझारपुर, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) चि‍त्रकला- (1) जय प्रकाश मण्‍डल सुपुत्र- श्री कुशेश्वर मण्‍डल, उमेर- ३५, पता- गाम- सनपतहा, पोस्‍ट– बौरहा, भाया- सरायगढ़, जि‍ला- सुपौल (बि‍हार) (2) श्री चन्‍दन कुमार मण्‍डल सुपुत्र श्री भोला मण्‍डल, पता- गाम- खड़गपुर, पोस्‍ट- बेलही, भाया- नरहि‍या, थाना- लौकही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) संप्रति‍, छात्र स्‍नातक अंति‍म वर्ष, कला एवं शि‍ल्‍प महावि‍द्यालय- पटना। हरि‍मुनि‍याँ / हारमोनियम (1) श्री महादेव साह सुपुत्र रामदेव साह, उमेर- ५८, गाम- बेलहा, वार्ड- नं. ०९, पोस्‍ट- छजना, भाया- नरहि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) (2) श्री जागेश्वर प्रसाद राउत सुपुत्र स्‍व. रामस्‍वरूप राउत, उमेर ६०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) ढोलक/ ठेकैता/ ढोलकि‍या (1) श्री अनुप सदाय सुपुत्र स्‍व.   , पता- गाम- तुलसि‍याही, पोस्‍ट- मनोहर पट्टी, थाना- मरौना, जि‍ला- सुपौल (बि‍हार) (2) श्री कल्‍लर राम सुपुत्र स्‍व. खट्टर राम, उमेर- ५०, गाम- लक्ष्‍मि‍नि‍याँ, पोस्‍ट- छजना, भाया- नरहि‍या, थाना- लौकही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) रसनचौकी वादक- (1) वासुदेव राम सुपुत्र स्‍व. अनुप राम, गाम+पोस्‍ट- ि‍नर्मली, वार्ड न. ०७  , जि‍ला- सुपौल (बि‍हार) शिल्पी-वस्तुकला- (1) श्री बौकू मल्‍लि‍क सुपुत्र दरबारी मल्‍लि‍क, उमेर- ७०, गाम- लक्ष्‍मि‍नि‍याँ, पोस्‍ट- छजना, भाया- नरहि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) (2) श्री राम वि‍लास धरि‍कार सुपुत्र स्‍व. ठोढ़ाइ धरि‍कार, उमेर- ४०, पता- गाम+पोस्‍ट- चनौरागंज, भाया- तमुरि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) मूर्तिकला-मृर्तिकार कला- (1) घूरन पंडि‍त सुपुत्र- श्री मोलहू पंडि‍त, पता- गाम+पोस्‍ट– बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) (2) श्री प्रभु पंडि‍त सुपुत्र स्‍व.   , पता- गाम+पोस्‍ट- नरहि‍या, थाना- लौकही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) काष्ठ-कला- (1) श्री जगदेव साहु सुपुत्र शनीचर साहु, उमेर- ३६, गाम- ि‍नर्मली-पुरर्वास, जि‍ला- सुपौल (बि‍हार) (2) श्री योगेन्‍द्र ठाकुर सुपुत्र स्‍व. बुद्धू ठाकुर उमेर- ४५, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) किसानी- आत्मनिर्भर संस्कृति- (1) श्री राम अवतार राउत सुपुत्र स्‍व. सुबध राउत, उमेर- ६६, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) (2) श्री रौशन यादव सुपुत्र स्‍व. कपि‍लेश्वर यादव, उमेर- ३५, गाम+पोस्‍ट– बनगामा, भाया- नरहि‍या, थाना- लौकही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) अल्हा/महराइ- (1) मो. जीबछ सुपुत्र मो. बि‍लट मरहूम, उमेर- ६५, पता- गाम- बसहा, पोस्‍ट- बड़हारा, भाया- अन्‍धराठाढ़ी, जि‍ला- मधुबनी, पि‍न- ८४७४०१ जोगि‍रा- श्री बच्‍चन मण्‍डल सुपुत्र स्‍व. सीताराम मण्‍डल, उमेर- ६०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) श्री रामदेव ठाकुर सुपुत्र स्‍व. जागेश्वर ठाकुर, उमेर- ५०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) पराती (प्रभाती) गौनि‍हार आ खजरी/ खौजरी वादक- (1) श्री सुकदेव साफी सुपुत्र श्री   , पता- गाम इटहरी, पोस्‍ट- बेलही, भाया- ि‍नर्मली, थाना- मरौना, जि‍ला- सुपौल (बि‍हार) पराती (प्रभाती) गौनि‍हार - (अगहनसँ माघ-फागुन तक गाओल जाइत) (1) सुकदेव साफी सुपुत्र स्‍व. बाबूनाथ साफी, उमेर- ७५, पता- गाम इटहरी, पोस्‍ट- बेलही, भाया- ि‍नर्मली, थाना- मरौना, जि‍ला- सुपौल (बि‍हार) (2) लेल्हु दास सुपुत्र स्‍व. सनक मण्‍डल पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) झरनी- (1) मो. गुल हसन सुपुत्र अब्‍दुल रसीद मरहूम, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) (2) मो. रहमान साहब सुपुत्र...., उमेर- ५८, गाम- नरहि‍या, भाया- फुलपरास, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) नाल वादक- (1) श्री जगत नारायण मण्‍डल सुपुत्र स्‍व. खुशीलाल मण्‍डल, उमेर- ४०, गाम+पोस्‍ट- ककरडोभ, भाया- नरहि‍या, थाना- लौकही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) (2) श्री देव नारायण यादव सुपुत्र श्री कुशुमलाल यादव, पता- गाम- बनरझुला, पोस्‍ट- अमही, थाना- घोघड़डीहा, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) गीतहारि‍/ लोक गीत- (1) श्रीमती फुदनी देवी पत्नी श्री रामफल मण्‍डल, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) (2) सुश्री सुवि‍ता कुमारी सुपुत्री श्री गंगाराम मण्‍डल, उमेर- १८, पता- गाम- मछधी, पोस्‍ट- बलि‍यारि‍, भाया- झंझारपुर, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) खुरदक वादक- (1) श्री सीताराम राम सुपुत्र स्‍व. जंगल राम, उमेर- ६२, पता- गाम- लक्ष्‍मि‍नि‍याँ, पोस्‍ट- छजना, भाया- नरहि‍या, थाना- लौकही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) (2) श्री लक्ष्‍मी राम सुपुत्र स्‍व. पंचू मोची, उमेर- ७०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) काँरनेट- (1) श्री चन्‍दर राम सुपुत्र- स्‍व. जीतन राम, उमेर- ५०, पता- गाम- लक्ष्‍मि‍नि‍याँ, पोस्‍ट- छजना, भाया- नरहि‍या, थाना- लौकही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) (2) मो. सुभान, उमेर- ५०, पता- गाम+पोस्‍ट- चनौरागंज, भाया- तमुरि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) बेन्‍जू वादक- (1) श्री राज कुमार महतो सुपुत्र स्‍व. लक्ष्‍मी महतो, उमेर- ४५, गाम- ि‍नर्मली वार्ड नं. ०४, जि‍ला- सुपौल (बि‍हार) (2) श्री घुरन राम, उमेर- ४३, गाम+पोस्‍ट- बनगामा, भाया- नरहि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) भगैत गवैया- (1)  श्री जीबछ यादव सुपुत्र स्‍व. रूपालाल यादव, उमेर- ८०, पता- गाम इटहरी, पोस्‍ट- बेलही, भाया- ि‍नर्मली, थाना- मरौना, जि‍ला- सुपौल (बि‍हार) (2)  श्री शम्‍भु मण्‍डल सुपुत्र स्‍व. लखन मण्‍डल, पता- गाम- बढि‍याघाट-रसुआर, पोस्‍ट– मुंगराहा, भाया- ि‍नर्मली, ि‍जला- सुपौल (बि‍हार) खि‍स्‍सकर- (खि‍स्‍सा कहैबला)- (1) श्री छुतहरू यादव उर्फ राजकुमार, सुपुत्र श्री राम खेलावन यादव, गाम- घोघरडि‍हा, पोस्‍ट- मनोहर पट्टी, थाना- मरौना, जि‍ला- सुपौल, पि‍न- ८४७४५२ (2) बैजनाथ मुखि‍या उर्फ टहल मुखि‍या- (2)सुपुत्र स्‍व. ढोंगाइ मुखि‍या, पता- गाम+पोस्‍ट- औरहा, भाया- नरहि‍या, थाना- लौकही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) मिथिला चित्रकला- (1) सुश्री मि‍थि‍लेश कुमारी सुपुत्री श्री रामदेव प्रसाद मण्‍डल ‘झारूदार’ पता- गाम- रसुआर, पोस्‍ट-– मुंगराहा, भाया- ि‍नर्मली, ि‍जला- सुपौल (बि‍हार) (2) श्रीमती वीणा देवी पत्नी श्री दि‍लि‍प झा, उमेर- ३५, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) खजरी/ खौजरी वादक- (2) श्री कि‍शोरी दास सुपुत्र स्‍व. नेबैत मण्‍डल, पता- गाम- रसुआर, पोस्‍ट-– मुंगराहा, भाया- ि‍नर्मली, ि‍जला- सुपौल (बि‍हार) तबला- श्री उपेन्‍द्र चौधरी सुपुत्र स्‍व. महावीर दास, उमेर- ५५, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) श्री देवनाथ यादव सुपुत्र स्‍व. सर्वजीत यादव, उमेर- ५०, गाम- झाँझपट्टी, पोस्‍ट- पीपराही, भाया- लदनि‍याँ, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) सारंगी- (घुना-मुना) (1) श्री पंची ठाकुर, गाम- पि‍पराही। झालि‍- (झलि‍बाह) (1) श्री कुन्‍दन कुमार कर्ण सुपुत्र श्री इन्‍द्र कुमार कर्ण पता- गाम- रेबाड़ी, पोस्‍ट- चौरामहरैल, थाना- झंझारपुर, जि‍ला- मधुबनी, पि‍न- ८४७४०४ (2) श्री राम खेलावन राउत सुपुत्र स्‍व. कैलू राउत, उमेर- ६०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) बौसरी (बौसरी वादक) श्री रामचन्‍द्र प्रसाद मण्‍डल सुपुत्र श्री झोटन मण्‍डल, उमेर- ३०, बौसरी/बौसली/बासुरी बजबै छथि‍। पता- गाम- रसुआर, पोस्‍ट- मुंगराहा, भाया- ि‍नर्मली, ि‍जला- सुपौल (बि‍हार) श्री वि‍भूति‍ झा सुपुत्र स्‍व. कनटीर झा, उमेर- ५०, पता- गाम+पोस्‍ट- कछुबी, भाया- तमुरि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) लोक गाथा गायक श्री रवि‍न्‍द्र यादव सुपुत्र सीताराम यादव, पता- गाम- तुलसि‍याही, पोस्‍ट- मनोहर पट्टी, थाना- मरौना, जि‍ला- सुपौल (बि‍हार) श्री पि‍चकुन सदाय सुपुत्र स्‍व. मेथर सदाय, उमेर- ५०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) मजि‍रा वादक (छोकटा झालि‍...) श्री रामपति‍ मण्‍डल सुपुत्र स्‍व. अर्जुन मण्‍डल, पता- गाम- रसुआर, पोस्‍ट- मुंगराहा, भाया- ि‍नर्मली, ि‍जला- सुपौल (बि‍हार) मृदंग वादक- (1) श्री कपि‍लेश्वर दास सुपुत्र स्‍व. सुन्नर दास, उमेर- ७०, गाम- लक्ष्‍मि‍नि‍याँ, पोस्‍ट- छजना, भाया- नरहि‍या, थाना- लौकही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) (2) श्री खखर सदाय सुपुत्र स्‍व. बंठा सदाय, उमेर- ६०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) तानपुरा सह भाव संगीत (1) श्री रामवि‍लास यादव सुपुत्र स्‍व. दुखरन यादव, उमेर- ४८, गाम- सि‍मरा, पोस्‍ट- सांगि‍, भाया- घोघड़डीहा, थाना- फुलपरास, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) तरसा/ तासा- श्री जोगेन्‍द्र राम सुपुत्र स्‍व. बि‍ल्‍टू राम, उमेर- ५०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) श्री राजेन्‍द्र राम सुपुत्र कालेश्वर राम, उमेर- ५८, गाम- मझौरा, पास्‍ट- छजना, भाया- नरहि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) रमझालि‍/ कठझालि‍/ करताल वादक- श्री सैनी राम सुपुत्र स्‍व. ललि‍त राम, उमेर- ५०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) श्री जनक मण्‍डल सुपुत्र स्‍व. उचि‍त मण्‍डल, उमेर- ६०, रमझालि‍/ कठझालि‍/ करताल वादक,  १९७५ ई.सँ रमझालि‍ बजबै छथि‍। पता- गाम- बढि‍याघाट/रसुआर, पोस्‍ट- मुंगराहा, भाया- ि‍नर्मली, जि‍ला- सुपौल (बि‍हार) गुमगुमि‍याँ/ ग्रुम बाजा श्री परमेश्वर मण्‍डल सुपुत्र स्‍व. बि‍हारी मण्‍डल उमेर- ४१, १९८० ई.सँ गुमगुि‍मयाँ बजबै छथि‍। श्री जुगाय साफी सुपुत्र स्‍व. श्री श्रीचन्‍द्र साफी, उमेर- ७५, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) डंका/ ढोल वादक श्री बदरी राम, उमेर- ५५, पता- गाम इटहरी, पोस्‍ट- बेलही, भाया- ि‍नर्मली, थाना- मरौना, जि‍ला- सुपौल (बि‍हार) श्री योगेन्‍द्र राम सुपुत्र स्‍व. बि‍ल्‍टू राम, उमेर- ५५, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) डंफा (होलीमे बजाओल जाइत...) श्री जग्रनाथ चौधरी उर्फ धि‍यानी दास सुपुत्र स्‍व. महावीर दास, उमेर- ६५, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र),जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) श्री महेन्‍द्र पोद्दार, उमेर- ६५, पता- गाम+पोस्‍ट- चनौरागंज, भाया- तमुरि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) नङेरा/ डि‍गरी- श्री राम प्रसाद राम सुपुत्र स्‍व. सरयुग मोची, उमेर- ५२, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार) विदेहक किछु विशेषांक:- १) हाइकू विशेषांक १२ म अंक, १५ जून २००८ Videha_15_06_2008.pdf          Videha_15_06_2008_Tirhuta.pdf       12.pdf २) गजल विशेषांक २१ म अंक,  १ नवम्बर २००८ Videha_01_11_2008.pdf       Videha_01_11_2008_Tirhuta.pdf         21.pdf ३) विहनि कथा विशेषांक ६७ म अंक, १ अक्टूबर २०१० Videha_01_10_2010        Videha_01_10_2010_Tirhuta             67 ४) बाल साहित्य विशेषांक ७० म अंक, १५ नवम्बर २०१० Videha_15_11_2010        Videha_15_11_2010_Tirhuta             70 ५) नाटक विशेषांक ७२ म अंक १५ दिसम्बर२०१० Videha_15_12_2010        Videha_15_12_2010_Tirhuta           72 ६) नारी विशेषांक ७७म अंक ०१ मार्च २०११ Videha_01_03_2011        Videha_01_03_2011_Tirhuta           77 ७) बाल गजल विशेषांक विदेहक अंक १११ म अंक, १ अगस्त २०१२ Videha_01_08_2012        Videha_01_08_2012_Tirhuta           111 ८) भक्ति गजल विशेषांक १२६ म अंक, १५ मार्च २०१३ Videha_15_03_2013        Videha_15_03_2013_Tirhuta           126 ९) गजल आलोचना-समालोचना-समीक्षा विशेषांक १४२ म, अंक १५ नवम्बर २०१३ Videha_15_11_2013        Videha_15_11_2013_Tirhuta           142 १०) काशीकांत मिश्र मधुप विशेषांक १६९ म अंक १ जनवरी २०१५ Videha_01_01_2015 ११) अरविन्द ठाकुर विशेषांक १८९ म अंक १ नवम्बर २०१५ Videha_01_11_2015 १२) जगदीश चन्द्र ठाकुर अनिल विशेषांक १९१ म अंक १ दिसम्बर २०१५ Videha_01_12_2015 १३) विदेह सम्मान विशेषा‍क- २००म अ‍क १५ अप्रैल २०१६/ २०५ म अ‍क १ जुलाई २०१६ Videha_15_04_2016 Videha_01_07_2016 विदेह ई-पत्रिकाक  बीछल रचनाक संग- मैथिलीक सर्वश्रेष्ठ रचनाक एकटा समानान्तर संकलन विदेह:सदेह:२ (मैथिली प्रबन्ध-निबन्ध-समालोचना २००९-१०) विदेह:सदेह:३ (मैथिली पद्य २००९-१०) विदेह:सदेह:४ (मैथिली कथा २००९-१०) विदेह मैथिली विहनि कथा [ विदेह सदेह ५ ] विदेह मैथिली लघुकथा [ विदेह सदेह ६ ] विदेह मैथिली पद्य [ विदेह सदेह ७ ] विदेह मैथिली नाट्य उत्सव [ विदेह सदेह ८ ] विदेह मैथिली शिशु उत्सव [ विदेह सदेह ९ ] विदेह मैथिली प्रबन्ध-निबन्ध-समालोचना [ विदेह सदेह १० ] Maithili Books can be downloaded from: https://sites.google.com/a/videha.com/videha-pothi/ Maithili Books can be purchased from: http://www.amazon.in/   For the first time Maithili books can be read on kindle e-readers. Buy Maithili Books in Kindle format (courtesy Videha) from amazon kindle stores, these e books are delivered worldwide wirelessly:- http://www.amazon.com/ अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ। गजेन्द्र ठाकुर ggajendra@videha.com ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ। २. गद्य २.१. मलयनाथ मण्डन- बिहनि कथा- कोढ़िया २.२.राजीव कर्ण- बीहनि कथा- चक्षु भोजन २.३.मुन्ना जी- बीहनि कथा (Seed Story)- बहिंगा २.४.घनश्याम घनेरो- बीहनि कथा (seed story)- जमाना मलयनाथ मण्डन बीहनि कथा  =========== कोढिया  -----------------  हरक लागैन कें जोर सँ दबने किसानक संतानक मन अपरतीव सन। ओ कहैये::-हरखडा,पालो आ बरदक बले खेती आब कते दिन।एतेक जुगाड छै तैयो लोक सब पुराने ढाठी धेने अछि। ::-अँय रौ!!दू दिन लागैन धेना भेलौहे नञि आकि उपदेश देनाय शुरू क'देलें। ::-नञि हौ बाबू ! कहय छिय' जे लवका लवका मिशीन सब एलैये ।जोत-कोड,कदबा,चौकी त चौकी,रोपनी आ कटनी तक भ जाय है।दौनी तौनी सब त' होइते है।तखन इ सब पुरने धुरने बेवस्था कथी ले। ::-हँ रौ बौआ! आगू जनमल गोड लगेबे करबे किने! हमरा से सब कि बुझल अछि। ::-बुझल छ' त' किये हरान-फिरीशान होइ छ'? ::-हे रौ कहबौ त' लगतौ छक द',चुप्पे रह ने।किये बड बड केने जाइछें। ::-त' से कह' ने "साँच मे आँच कि",कह' कह'। ::- देखै नञि छें अपन काया जेना घून लागल जाय छौ।मिशीनक उपजेल खेबें त' अपने मिशीन नञि हेबे।आ मिहनति क' खेबें त'मिशीने सनक मजगूत धुआ-काया हेतौ।इ पिलपिलहा काया ल' कतेक चक्कर मारलें।इह बूरि कोढिया कहाँ के मिशीने से खेती करता।हिनका सुतै के इन्तजाम क' दियौन। ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ। राजीव कर्ण बीहनि कथा

---------- चक्षु भोजन ---------- --घनश्याम जी छी यौ? --हँ मनोज जी , की कहै छी? --कहलौ जे राइत में अहाँ के निमंत्रण अछि हमरा ओहिठाम। --ठीक छै। (राइत मे) --मनोज जी छी यौ ,हम आबि गेलौं। --आउ आउ। --हयै, भोजन निकालू। ( मनोज जीक कनिया एक्के थारी भोजन निकालली आ मनोज जी अकेले अकेले खाय लगलाह। इमहर घनश्याम जी अहि सोच में छैथ जे हमर थारी आब आयत तब आयत। मनोज  जी भोजन क क उठलाह।) --आंय यौ मनोज जी निमंत्रण हमरा देलौ आ भोजन अपने केलौं। --ओहो नै बुझलियै घनश्याम जी हम अहाँ के चक्षु भोजन करय लेल बजेने रही से त अहाँ केलौं। आब अपने जा सकै छी। ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ। मुन्ना जी बीहनि कथा (Seed Story) बहिंगा  -------- ------------- -- हें...हें...हें...आब बुझही, भगवानक घर देर छै , अन्हेर नै ! -- गै, दुखक घरी मे चौल कीए करै छें ? -- हम चौल नै करै छीयौ गै, मोन पड़ल पुरना बात - माइकेल के दुर्घटना मे टांग टुटला सँ तों सगाइ के लेल मना क' देने रही. ओ हृदय सँ तोरा चाहै छलौ...! आब इ त' पुरे दिव्यांग भ' गेलखुन , त' छोइर दोसर विआह क' ने ले ! -- गै विआह सँ पहिने कतेको दुआरि खुजल रहैए, आव त' विआहि गेलौं. " ओ आन छल , ई त' अपन छथि,ओकरा उघि बताहि कहइतौं, हिनका उघि पतिव्रता ! ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ। घनश्याम घनेरो बीहनि कथा (seed story) -------------------------------------- जमाना ---------- लड़की खसैत - खसैत बाँचलि तँ पुलिस लड़का केँ थोपड़ा देलकै । लड़की उंटलि आ पुलिस सँ पुछलकैक -- हिनका किए थोपड़ेलिएक ? -- अहाँक दुपट्टा खिचलक तेँ ! -- ओ नहि, हमर खुद केँ चप्पलमे फंसि गेल छल । -- अच्छा ? -- अच्छा कि ? एहि भाग - दौड़क जिनगीमे पुरुख संगे स्त्री नहि भेटैछ ! स्त्री खुद परेशान छथि जे पुरुख भेटय ? ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ। ३. पद्य ३.१.मनोज झा मुक्ति-प्रकृतिसँ अनुनय ३.२.आशीष अनचिन्हार- २ टा गजल ३.३.संतोष कुमार झा- अथर्व ३.४.अब्दुर रज्जाक राइन- मुसहर डोम आ चमार मनोज झा मुक्ति प्रकृतिसँ अनुनय

मृत्यु शैय्यापरसँ

अपन सत्कर्मक तपस्यासँ

ओ प्रकृतिकेँ अनुनय कऽ रहल अछि

अवतारक वास्ते ।

ओ एहन अवतारक माँग करैछ

जे गाम आ देशके सत्यकपथपर डोरिआवए

समाजके समाजिकताक पाठ पढाबए ।

कियाकि ओ देखने अछि,

रक्षकके भक्षक

कर्मचारीके भ्रष्टाचारी आ

समाजसेवीके दुराचारी बनल ।

ओ अनुभव कएने अछि

परमेश्वरके बास होबऽवला पञ्चके

नोट आ भोटकलेल धकड़िया बनल

व्यक्तिगत स्वार्थक पूर्तिमे

मधेशियाके पहडिया आ पहडियाके मधेशिया बनल ।

ओ सुनने अछि,

पत्रकारके भ्रष्टाचारीके दलाली करैत

शिक्षककेँ विद्यार्थीक भविष्यके हलाली करैत

न्यायमूर्तिसबके सत्यके खुलेआम बली चढवैत

मन्त्री–जन्त्रीकेँ देशके बेचिकऽ अपन झोरी भरैत ।

ओ चिन्तित अछि,

निमुखाक निसाफ आ जनताक न्यायकलेल

समाजमे समाजिकता आ देशक विकासलेल

देशमे राजनैतिक स्थायित्व आ भ्रष्टाचारिक नाशलेल

वृद्धप्रति सम्मान आ छोटप्रति स्नेहक भाव विकासलेल ।

ओकरा आँखिक आगा सब दृश्य नाँचि रहल छैक,

नागरिक,व्यापारी, कर्मचारी, नेता ओ

समाजकसब अवयवकेँ पहिरने मुखौटाके भाँपि रहल छैक ।

अपन जीवनक अन्तिम क्षणमे,

अन्तिम अभिलाषा पुरा करबाकलेल

प्रकृतिके मृत्यु शैय्यापरसँ गोहरवैत अछि,

‘हे प्रकृति आँहाँमे सामथ्र्य अछि,

एकटा अवतारी जन्मादियौ जे

गाम आ देशके सत्यकपथपर डोरियाबय

समाजके समाजिकताक पाठ पढाबय ।

जहियासँ समाजमे समाजिकता अओतै

गाम आ देश पटरीपर अपने अओतै ।’ ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ। आशीष अनचिन्हार २ टा गजल 1 किछु किछु रसधार जकाँ किछु किछु बेकार जकाँ हुनको सभहँक दुनियाँ आने संसार जकाँ साधल मातल लोकक बोली ललकार जकाँ बेरा बेरी हमरो केलक उद्धार जकाँ ओकर इच्छा लागै अनमन कंसार जकाँ सभ पाँतिमे 222-222 मात्राक्रम अछि दू टा अलग-अलग लघु मानबाक छूट लेल गेल अछि 2 धार ताकै पानिकेँ खूब चाहै पानिकेँ हाल आसक की कहू श्वास जानै पानिकेँ संग रहितों सभ समय पानि थाहै पानिकेँ आँखि ओकर देखि देखि आहि आबै पानिकेँ केकरो लग रेत सभ बान्हि राखै पानिकेँ सभ पाँतिमे 2122 + 212 मात्राक्रम अछि चारिम शेरक पहिल पाँतिक अंतिम लघु छूटक तौरपर लेल गेल अछि। ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ। संतोष कुमार झा अथर्व शिशु कें जन्म खोलि आंखि, देखलह जग, समक्ष पिताजी सेहो ठाढ़, चाचा दुनु, नानी ओ मामा, कयला सब स्वागत सत्कार! प्रथम संघर्ष आनू कपड़ा नुआ सब आनू, आनि सुजनी शिशु के झांपू, बौआ हम्मर कांपय थरथर, एकरा झांपि कय राखय जाऊ! प्रथम सफलता संरक्षण नव-जीवन कें भेल, प्रथम संघर्ष विजेता बनि अथु, नींद प्रथम धरती पर लेल, नाचल हँसी अनेकों मुख पर! नामकरण श्रीगणेश जीवन कें भेल, “अ”कार भेटल दादी सौं, “अथर्व” नाम देली माता, बाबा सौं भेटल सहश्र आशीष! किलकारी शिशु किलकारी गुञ्जल चहूँदिशि, घर-आँगन गुञ्जल मधुर संगीत! वातावरण भेल प्रफुल्लित, सुंदर, मधुर बनल संसार! ठेहुनियाँ ठेहुनियाँ दैत जे बौआ दौड़ल, दौड़ला सब हँसि बौआ पाछू! गिरइये बौआ तइयो हँसईये, सबकें ज्ञान हँसबा कें दइये! तोतरेनाइ वाक खुलय सौं पहिनेक बोली, किछु अ-अस्पष्ट, लेकिन मधुर, पानी कें “पी”, दूध कें “डूडू” बुझबा, बुझेबाक रूप मधुर! पहिल डेग माँ-पिता संग खिलखिलाइत खेलईत, नुका-छुपी खेलईत मुसकाइत, पकइर-धकइर सोफा, पलंग, भरलक शिशु पहिल डेग धरती पर! विद्यारंभ माता संग नित्य करय पूजा, पिता सौं नित्य सुनय कथा! विद्यारंभ शिशु कें प्रथम, मनोरंजक सीढ़ी ज्ञान दिस! मार्गदर्शन सिखइत चलू, बढ़इत चलू इतिहास कखनों नहिं बिसरु, लेकिन ओहि में उलझू नहिं! रात्रि-स्वप्न माया छै... दिवा-स्वप्न देखू अवश्य! लक्ष्य जीवनक ओतहि भेटत, नेत्र-ध्यान सब लक्ष्य पर राखू! स्वस्थ लक्ष्य संग योजना, जीवन के बस एत्ते संबल, सफलता-असफलता दुनू पचबैत जाउ, अतिरेक कें दूर भगाबू, एहिसौं जीवन विकट बनई छै, तै दुनू के बिसराबू, झूठ-फरेब सौं दूर रहब, अपन सु-कर्म में रमल रहब, जौं द्वार आबय कोनो दुखी, असहाय, कंधा पर हाथ जरूर राखब, गप्प हुनकर सबटा सुनब जरूर, हित-अनहित कें चिनहैत अपन, हुनकर मदद आगाँ करब तखन! नाम प्रभु कें नहिं बिसरब, हर अंधकार भय जायत दूर, जीवन यात्रा बनत सुगम, मार्ग जीवनक जखनों देखब अंधकार, नेत्र बंद कय प्रभु नाम दोहराबू, रस्ता तखनहिं होयत प्रकाश! स्वस्थ काया जीवन आधार, ई तथ्य सर्वदा राखब याद, स्वस्थ संगति, स्वस्थ भोजन, देत स्वस्थ विचार संचार, ई जीवनक मूल आधार! किओ संग नहि आयल छै जे संग अहां कें जायत, दादा-दादी, नाना-नानी, माय-बाप सेहो नै रुकता, अपन जीवन जीबि सब, एक दिन मार्ग पकरता! मिथ्या संसार कें माया जाल में, नहि कहियो लपटायाब! अथु जल वैह निर्मल होइछ, जे सदा बहैत जाई छइ, रुकब नहि, कतौ अहां, चलईत जायब सर्वदा... चिर प्रसन्न निद्रा तक अहां... खेलईत, खिलखिलाइत रहब अहां, नाम अथर्व सार्थक करैत रहब अहां, मात-पिता केर मार्गदर्शन सब, संग राखने रहब अहाँ! विचार हम सोचई छी, जौं नहिं अबितह तों जीवन में, जीवन तइयो चलिते रहितय, बनल रहितय निरस, बेकार, चलईत रहितय बोझ रूप सौं! तों अयलह, आयल बहार, तों हंसलह, हंसल आत्मा-परमात्मा, जीवन में, आयल बहार, चहुंदिशि गूंजि उठल मल्हार! - संतोष कुमार झा वरिष्ठ संकाय, लेदर गुडस एवं एक्सेसरिज डिजायन विभाग, फुटवियर डिजाइन एवं डेवलपमेंट इंस्टीट्यूट, ए-१०/ए, सैक्टर-२४, नोएडा-२०१३०१ ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ। अब्दुर रज्जाक राइन मुसहर डोम आ चमार देश डूबैत बेर  सरकार गिरैत बेर  सरकार बनैत बेर  ओ बिपन्नताक चपेटमें परल  मुशहर अहि देशक  अहि समाजक  अहि बस्तीमे  अपन स्थान खोजी रहल अछि  लेकिन नहीं रहबाक ठेकान  नहीं खेबाक ठेकान  नहीं कमेबाक ठेकान  नहीं अस्तित्वक ठेकान सs  दर दर ठोकाईत रहलौ  अहिलेल की हम गरीब रहिए गेली  गरीबी हमर अभिशाप रहिएगेल। महाराज कहियो सुरुज छाप संग  कहियो गाछी छाप संग  कहियो गाई छाप संग  कहियो हाथ छाप संग  झंडा लs जिंदाबाद- मुर्दाबाद ! आ अनेक अनेक नारासंग  गाराके ढोल बजाबैत रहलौ  अनेक अनेक महाराजा सब हक़  दलानमें तs मकानमें त कहियो  मरलाहाके मशानमें  लs अपना गरिबिके बिबसतामें अहि देश क ओ महरासब  अहिलेल की हम गरीब रहिए गेली  गरीबी हमर अभिशाप रहिएगेल। कोना कहू केकरा कहू कहिया  नहीं कहलौ अहाँ सबके  अपन बीती ओ हमरा संग भेल  अत्याचार सब जे लाज सs सरम सs अपना के बिपनन्ता संग नुकाबैत रहलौ  अपना के बहुत निंदक नहीं बनी  छुपाबैत रहलौ अनेक अनके  बिबसता संग हम अहाँक  ग्रामीण खेहरू डोम  जे फेकैत रहलौ अहिके कैल गंदा सब अहिके देहारी सs अहिलेल की हम गरीब रहिए गेली  गरीबी हमर अभिशाप रहिए गेल। ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ। बालानां कृते विदेह मैथिली मानक भाषा आ मैथिली भाषा सम्पादन पाठ्यक्रम भाषापाक रवि भूषण पाठक किछु बाल कविता बाल कविता 'क' 'क' सँ कवि मे इएह बेमारी ''हम्‍मर कविता सबसँ भारी'' कहि कहि राहडि़ लिखथि खेसारी 'ग' हरियर कचोर गेनहारी 'घ' सॅं घमर्थन चलै दिन-राति 'ङ ' सँ कोनो नइ किछुओ ने बात

बाल कविता - मानसून पहिल बुटम सुरूज भगवान बाबू हौ दादा हौ निकलै प्राण तखने सहकै हवा मचान दोसर बुटम दक्षिण अंडमान रोकि हिमालय ई बलवान कहै नहाबू खेत बथान तेसर बुटम पछुआ विक्षोभ देखै की छें मालदह चोभ चारिम बुटम दछिनहा थान हम ने देखलियै हे भगवान एलनीनो सन बुटम नइ गान भीज -भीजा जुड़ा बहलमान

सुन वौआ सुन ऊ एथुन बस आबै लेल दुनिया के देखाबै लेल सुन वौआ सुन ऊ एथुन  पात बिछाबै लेल खाए ने लेल खुआबै लेल कर वौआ कर ऊ एथुन की खर उठाबै लेल? बातक लकड़ी लगाबै लेल मान वौआ मान

ब्‍लेक होल चाकर छै की गोल छै नाम एकर ब्‍लेक होल छै बड़का दावी ग्रह नक्षत्र केे खोलै सबहक पोल छै नाम एकर ब्‍लेकहोल छै

कहियो रहै ई रंगगर तारा आब ई उजरल टोल छै नाम एकर ब्‍लेक होल छै

बड़ घनत्‍व बड़ बेशी आकर्षण की बूझियै हौ झोल छै नाम एकर ब्‍लेकहोल छै ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ। विदेह मैथिली साहित्य आन्दोलन (c)2004-16. सर्वाधिकार लेखकाधीन आ जतऽलेखकक नाम नैअछि ततऽसंपादकाधीन।विदेह- प्रथममैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHAसम्पादक: गजेन्द्र ठाकुर। सह-सम्पादक: उमेश मंडल। सहायक सम्पादक: राम वि‍लास साहु, नन्द विलास राय, सन्दीप कुमार साफी आ मुन्नाजी (मनोज कुमार कर्ण)। कला-सम्पादन: ज्योति झा चौधरी। सम्पादक- नाटक-रंगमंच-चलचित्र- बेचन ठाकुर। सम्पादक- सूचना-सम्पर्क-समाद- पूनम मंडल। सम्पादक- अनुवाद विभाग- विनीत उत्पल। रचनाकार अपन मौलिक आ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि)ggajendra@videha.comकेँमेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx, .rtf वा .txt फॉर्मेटमे पठा सकै छथि।रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचयआ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेता, से आशा करै छी। रचनाक अंतमेटाइप रहए, जे ई रचना मौलिक अछि, आ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहलअछि।एतऽ प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक/संग्रहकर्त्ता लोकनिक लगमे रहतन्हि, मात्र एकर प्रथम प्रकाशनक/ प्रिंट-वेब आर्काइवक/ आर्काइवक अनुवादक आ आर्काइवक ई-प्रकाशन/ प्रिंट-प्रकाशनक अधिकार ऐ ई-पत्रिकाकेँ छै। ऐ ई पत्रिकाकेँ श्रीमति लक्ष्मीठाकुर द्वारा मासक ०१ आ १५ तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि। (c) 2004-16सर्वाधिकार सुरक्षित। विदेहमे प्रकाशित सभटारचनाआ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि। रचनाकअनुवाद आ पुनः प्रकाशन किंवा आर्काइवक उपयोगक अधिकार किनबाक हेतुggajendra@videha.co.inपर संपर्क करू। ऐ साइटकेँ प्रीति झा ठाकुर, मधूलिका चौधरीआ रश्मि प्रिया द्वारा डिजाइन कएल गेल।५ जुलाई २००४ केँhttp://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html “भालसरिक गाछ”- मैथिली जालवृत्तसँ प्रारम्भ इंटरनेटपर मैथिलीक प्रथम उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि,जे http://www.videha.co.in/ पर ई प्रकाशित होइत अछि। आब “भालसरिक गाछ”जालवृत्त 'विदेह' ई-पत्रिकाक प्रवक्ताक संग मैथिली भाषाक जालवृत्तक एग्रीगेटरक रूपमे प्रयुक्त भऽ रहल अछि। विदेह ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA सिद्धिरस्तु विदे हwww.videha.co.inविदेहप्रथम मैथिलीपाक्षिक ई पत्रिकाwww.videha.comVideha Ist Maithili Fortnightly ejournal  'विदेह' २०७ म अंक ०१ अगस्त २०१६ (वर्ष ९ मास १०४ अंक २०७)मानुषीमिह संस्कृताम्ISSN 2229-547X VIDEHA

WV