मुख्य सामग्रीपर जाउ · Skip to main content
VIDEHA ISSN 2229-547X  ·  First Maithili Fortnightly eJournal  ·  Since 2000  ·  www.videha.co.in
विदेह — प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका
Twitter / X Facebook Archive
विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विदेह नूतन अंक
विदेह ई पत्रिकाक नव अंक देखबाक लेल पृष्ठ सभकेँ रिफ्रेश कए देखू: [Windows / Linux: Ctrl + F5 / Ctrl + Shift + R  ·  macOS: Command (Cmd) + Option + E + F5 / hold Shift + Click the Refresh button]

संतोष कुमार राय 'बटोही'

तिरंगा मे के छथि 'जन-गण-मन'?


अखनो धरि नहि बुझलहुँ अछि
देश आब ककरो गुलाम नहि अछि
नव-नव परिभाषा गढ़ल जायत छै
अर्थ बदलि रहल अछि 'आजादी' केर
तिरंगा मे लिखल अछि किनकर नाम ?
के छथि अइ 'जन-गण-मन' केर जान ?

शहीद केर खूँ सँ सानक देशक माटि
आब केकर बलिदान लेतैक फेर
सत्ता सँ पहिने 'जन' होयत छै
के लड़तै न्याय केँ लेल आब फेर ।
अहाँ सत्ता लेल लड़ू
हम तिरंगा केर शान लेल लड़ब
अहाँ सत्ता पर बैसू
हम इंकलाब करब
खायब गोली गण केर गरिमा लेल ।

हम खूँ भ' जायब
परञ्च खिलाफत करब अहाँक
जखन धरि साँस चलत
अन्याय, हिंसा, विभाजन-नीति केर
हम मुकम्मल जवाब देब
जुनि बुझियौ मन हमर टुटल अछि ।

अधिनायक हम नहि बनऽ देब
अहाँ संसद मे जमल रहू
हम सड़क पर ठाढ़ छी
भारत केर भाग्य विधाता 'जन' छै
जयगाथा लिखल जेतैक देशक
जखन कुर्सी सँ अहाँ केँ उतारल जायत
तखन जन केर मंगल गीत गाउल जायत ।

अहाँ तलवार बाँटू सड़क पर
हम ' प्यार' बाँटि रहल छी
अहाँ गोली तानि केँ ठाढ़ रहू
हम सिना तानि केँ ठाढ़ छी
हम 'अमन' लेल प्रयत्नशील छी
अहाँ बारूद बिछा दियौ देश मे
हम मुहब्बत केर पैगाम दऽ रहल छी ।

अपन मंतव्य editorial.staff.videha@zohomail.in पर पठाउ।

साहित्य अकादेमीक संकीर्ण मैथिली भाषा विभागसँ विदेह (मैथिली साहित्यक समानान्तर मंच) ऐ अर्थमे सेहो फराक अछि जे विदेहमे ठेठी, अंगिका आ बज्जिका सन सहभाषाकेँ संग लऽ कऽ मिथिलाक बोली-वैविध्यक समग्र चित्र देल जाइत अछि। विदेहमे ठेठी, अंगिका आ बज्जिकाक भाषा विज्ञान, रचना आ व्याकरण मैथिलीक संग देल गेल अछि मैथिलीक एकटा समानान्तर व्याकरण, रचना आ भाषा विज्ञान (ठेठी, अंगिका आ बज्जिकाकेँ संग लऽ कऽ)- गजेन्द्र ठाकुर, संगे विदेहमे ठेठी, अंगिका आ बज्जिकाक साहित्य ई-प्रकाशित आ समीक्षित सेहो होइत अछि।– गजेन्द्र ठाकुर, सम्पादक, विदेह ISSN 2229-547X
नव विदेह अंक — मासमे दू बेर · New Videha Issue — twice monthly  ·  ई-पत्र सदस्यता · Email subscription  ·  RSS feed